विपत्ति के समय अभ्युदय सम्हारलक मोर्चा, गाम गाम मदति कय रहल छथि विभय

मधुबनी। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी जी के आह्वान पर सगर देश मे लाॅकडाउन चलि रहल अछि। कोरोना महामारी के संदर्भ मे अपन चारिम देशक नाम संबोधन मे हुनकर आग्रह रहैन्ह जे देश मे किओ टा भूखे नहि रहय। ककरो अन्न के दिक्कत नहि होइहि, एकर व्यवस्था गंभीरता स कएल जाए। स्वयंसेवी संस्था अभ्युदय के अध्यक्ष श्री विभय कुमार झा प्रधानमंत्री कें गप्प के शिरोधार्य करैत निकलि पडतलाह मधुबनी। ओ मधुबनी मे खगतल लोकक बीच राशन वितरण कार्य शुरू केलाह। मधुबनी जिलाक कएक टा पंचायत में अभ्युदय कें अध्यक्ष विभय कुमार झा रहिका कोरोना वॉरियर्स ग्रुप के संगी-साथी कें लय क ई काज कें संपन्न करोलाह। गरीब लोक कें राशन बंटलाह आ संगे संग हुनका सब कें कोरोना महामारी स बचावक उपाय सहो बतेलाह।

ई बता दी जे राशन वितरण के दौरान सोशल डिसटेनशिंग के पूरा ध्यान राखल गेल। अभ्युदय के अध्यक्ष आ युवा भाजपा नेता विभय कुमार झा कहैत छथि जे एहि विपत्ति के समय मे हमर संस्था प्रदेशक हर जिला मे अपने संगी साथी कें साथ राहत अभियान चलाओत। एखुनका समय मे हमर इएह कर्तव्य अछि। हमर जन्म मिथिला मे भेल, ताहिं दुआरे हम एतय सं शुरू केलौं। एहि सं पहिने हम देशक राजधानी दिल्ली मे सेहो अपन हित-अपेक्षित कें संगे राहत काज करैत रहि। रहिका कोरोना वॉरियर्स ग्रुप के प्रमुख सहयोगी अभिनव झा कहलाह जे राहत सामग्री पैकेट में आलू, आटा, चावल, सोयाबीन, सरसो तेल, सब्जी मसाला, गरम मसाला, प्याज, साबुन इत्यादि वस्तु सबस रहय। एहि टीम कें सबटा साथी लगातार लोकक घर घर जा कय जागरूक कय रहल छथि। एहि अभियान मे रहिका कोरोना वॉरियर्स के प्रमुख साथी अभिनव झा,गोपाल भारद्वाज,विद्यानंद ठाकुर,सुमन मिश्रा,रणधीर झा, विकाश झा,लोकेश झा ,सहित दर्जनों लोक सदिखन तत्पर रहैत छथि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *