विजन व मिशन

विजन (दृष्टि):

दू दशक से मैथिली आ मिथिला लेल काज कय रहल छी। समयक संग चलबा मे हमरा सभक विश्वास अछि। ताहिं समय कें देखैत आब मैथिली टाइम्स डिजिटल दुनिया मे अपन सशक्त उपस्थिति दर्ज करबाक लेल प्रस्तुत अछि। हम आ हमर टीम सदिखन क्षेत्र, संस्कृति आ भाषा लेल प्रतिबद्ध अछि आ रहत। मैथिली भाषा मैथिल अस्मिता स जुड़ल प्रत्येक प्रतीक कें बहुमुखी विकास आ विश्व पटल पर आनबाक प्रयास करैत रहब। हमरा लेल मैथिली केवल एक भाषा नहि, बल्कि मां अछि। मां लेल पुत्र सदिखन लागल रहैत अछि।

मिशन (ध्येय):

भाषा, संस्कृति आध्यात्म, इतिहास, पर्यटन आ धरोहर के संवर्धन, संरक्षण आ देश-विदेश के हर भाग मे पसरल मैथिल के मध्य संवाद सेतु बनी मैथिल सरोकार सं जुड़ल वृहद मैथिल समाज के निर्माण करब। सर्वहारा समाज के आह्वान करैत छी जे आउ आ मैथिली लेल काज करी। जतय हम डेग अहांकें थकमकायल बुझाय, हमरा टोकू। संग दिअय। हम सदिखन अहांकें सुझाव कें आत्मसात करब।