हमरा सभक के बारे मे

मैथिली टाइम्स पत्रिका गर्व स कहू हम मैथिल छी उद्घोष के संग अक्टूबर 2000 मे शुरू भेल छल। अहि प्रथम अंक में ब्रजस्थ मैथिलश्पर एक कवरेज मे प्रत्येक  मैथिल स आह्वान छल जे अपना नाम में श्मैथिल उपनाम जोड़थि। बहुत हर्ष के बात अछि जे अहि आग्रह के स्वागत भेल आ  बहुत लोग अपना नाम में श्मैथिलश् उपनाम लगा रहल छथि। मैथिली भाषा आंदोलन के समर्थन में पत्रिका 2 अंक पूर्णतः अहि उद्देश्य के समर्पित करैत प्रकाशित केने छल। मिथिला के सर्वाधिक लोकप्रिय नेता स्वर्गीय ललित नारायण मिश्र के हत्या स जुड़ल बहुत रास रहस्य  मैथिल के  पता नहि छलन्हि। 2001 के जनवरी अंक  तारकुंडे कमिशन के रिपोर्ट पर आधारित छल जाहि मे अहि हत्याकांड स जुड़ल  समस्त विवरण के पाठक के समक्ष प्रस्तुत कयल गेल छल। मैथिली टाइम्स विभिन्न अंक मे मैथिल सरोकार स जुड़ल विषय के प्रमुखता आ विशेषांक के रूप मे प्रकाशित करैत रहल अछि आ भविष्य मे सेहो अहि प्रतिबद्धता के संग उपिस्थित होइत रहत ।मैथिली टाइम्स के सितम्बर 2001 अंक मे फूलपरास के दुलारी यादव नामक ओहि ममतामयी महिला के रिपोर्ट छल जे एकटा बकरी बच्चा के अपन स्तनपान करा नव जीवन देने छलीह। क्षेत्र के तत्कालीन सांसद देवेन्द्र यादव संसद मे अहि रिपोर्ट के चर्चा करैत सरकार स दुलारी यादव के सम्मानित आ आर्थिक मददि के मांग केने छलाह।
बहुतो लोक हमरा संगे छलाह। एखनहु छथि। किछु प्रत्यक्ष आ किछु नेपथ्य मे। सभ किओ अपना अपना क्षेत्र मे निष्णात।