मैथिल ललना

अंतरा झा : साइबर सुरक्षा के सजग प्रहरी

तकनीकी विकास आधुनिक जीवनचर्या के अत्यंत सुगम आ सुविधापूर्ण बना देने अछि संगहि अहि स जुड़ल खतरा सेहो बढ़ि गेल अछि। मामूली चूक वा असावधानी कतेको बेर बहुत भारी पड़ि जाइत छैक। आई-काल्हि साइबर ठगी के कोनो ने कोनो घटना प्राय: प्रतिदिन देखबा-सुनबा मे अबिते रहैत अछि। साइबर क्राइम अंतर्राष्ट्रीय स्तर पर चिंता के विषय बनल अछि आ सब देश अकर रोकथाम के सटीक उपाय ताकि रहल अछि। साइबर सुरक्षा लेल पूर्ण समर्पण स काज कयनिहार प्रतिबद्ध प्रहरी छथि अंतरा झा जे जटिल नेटवर्क स साइबर खतरा के सामना करबाक लेल कानूनी प्रणाली के मजगूत करबा लेल अंतर्राष्ट्रीय मंच पर संयुक्त राष्ट्र महासभा समेत कतेको मंच पर मुखर प्रतिनिधित्व करैत छथि।

मूलत: मधुबनी जिला के गांधाराइन गाम के निवासी अंतरा झा प्राथमिक शिक्षा आर्मी स्कूल, दानापुर स प्राप्त स प्राप्त कयलनि। ओ पटना महिला महाविद्यालय स स्नातक आ बनारस हिन्दू विश्वविद्यालय स एल.ए.एल.बी. कयलनि। हुनक पिता डाॅ. एस. सी. झा एल.एन.मिश्रा संस्थान मे प्रोफेसर आ माँ वासिनी झा दरभंगा दूरदर्शन आ आकाशवाणी के लोकगीत कलाकार छथिन्ह। अंतरा झा विधि अधिकारी छथि जे साइबर सुरक्षा संबंधित विमर्श पर अंतर्राष्ट्रीय मंच पर भारतक प्रतिनिधित्व करैत छथि।

अन्तरराष्ट्रीय स्तरपर अन्तराक आवाज संयुक्त राष्ट्र महासभा आ जलवायु सामाजिक मंच सन प्रतिष्ठित मंचसभमे प्रतिध्वनित होइत अछि । एकटा उच्च स्तरीय राजनीतिक मंच , एसीआईओएसओएस यूथ फोरमक प्रतिनिधिक रूप मे ओ सर्बिया , रूस , अर्जेंटीना, दक्षिण अफ्रीका, माल्टा आ चिली के राजनयिकक सङ्ग राष्ट्रीय साइबर नीतिकेँ आकार देबाक लेल सहयोग कयलनि ।

ऑनलाइन फ्राॅड, अंतर्राष्ट्रीय अपराध नेटवर्क, राष्ट्रीय साइबर नीति, अंतरिक्ष परिसम्पत्तिक सुरक्षा, सुसंगत डिजिटल भविष्य एवं प्रगति आ न्यायक सामंजस्य अंतरा झा के शोध हुनक कानूनी कुशाग्रता आ तकनीकी कौशलक मिश्रणक प्रतीक अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *