एपीएसईजेड केँ अर्जेंटीना सँ भारत लेल पहिल एलएनजी निर्यात परियोजना में 10 वर्षक समुद्री सेवा अनुबंध

अहमदाबाद: भारतक सबसे पैघ एकीकृत परिवहन उपयोगिता कंपनी Adani Ports and Special Economic Zone Ltd. (APSEZ) केँ अर्जेंटीना सँ भारत लेल होमए जा रहल पहिल तरलीकृत प्राकृतिक गैस (LNG) निर्यात परियोजना खातिर 10 वर्षक समुद्री सेवा (Marine Services) अनुबंध प्राप्त भेल अछि। एहि उपलब्धि सँ कंपनी दक्षिण अमेरिका में अपन प्रवेश दर्ज करैत अंतरराष्ट्रीय समुद्री सेवा क्षेत्र में अपन उपस्थिति आओर मजबूत कएने अछि।

ई अनुबंध एपीएसईजेडक स्टेप-डाउन सहायक कंपनी The Adani Harbour International FZCO केँ अर्जेंटीनाक Meridian Group केर संग संयुक्त रूप सँ वैश्विक प्रतिस्पर्धी निविदा प्रक्रिया के माध्यम सँ प्राप्त भेल अछि। निविदा प्रक्रिया Southern Energy S.A. द्वारा आयोजित कएल गेल छल।

एहि समझौता अंतर्गत संयुक्त उद्यम एलएनजी वाहक जहाजसभ लेल टगबोट संचालन, अपतटीय (ऑफशोर) रसद एवं आपूर्ति सहयोग, आओर चालक दल (Crew) स्थानांतरण सेवा सहित संपूर्ण समुद्री सेवासभ उपलब्ध कराएत। एहि परियोजना में चार अत्याधुनिक टगबोट, एक एंकर हैंडलिंग टग सप्लाई पोत आओर एक क्रू बोटक उपयोग कएल जाएत।

एपीएसईजेडक पूर्णकालिक निदेशक आ मुख्य कार्यकारी अधिकारी Ashwani Gupta कहलनि जे ई परियोजना विभिन्न देशसभ में विशाल ऊर्जा अवसंरचना परियोजनाक समर्थन करबाक कंपनीक बढ़ैत क्षमता केँ दर्शबैत अछि। हुनक अनुसार कंपनी वर्तमान में 12 देश में समुद्री संचालन करि रहल अछि आ बंदरगाह, एलएनजी टर्मिनल, तेल कंपनियाँ, रिफाइनरी आ ऑफशोर सुविधासभ केँ सेवा प्रदान कए रहल अछि।

अर्जेंटीना आब एलएनजी आपूर्तिक एक महत्वपूर्ण वैश्विक केंद्र बनि रहल अछि। वर्ष 2027 सँ भारत लेल प्रतिवर्ष लगभग 10 मिलियन टन एलएनजी निर्यातक व्यवस्था पर सहमति भ’ चुकल अछि। एहि दिशा में Southern Energy FLNG Project महत्वपूर्ण भूमिका निभाएत।

ई परियोजना Golar LNGPan American Energy केर संयुक्त उद्यम Southern Energy S.A. द्वारा विकसित कएल जा रहल अछि। अर्जेंटीनाक रियो नेग्रो प्रांतक सैन मातियास खाड़ी क्षेत्र में स्थापित ई परियोजना Hilli Episeyo नामक फ्लोटिंग एलएनजी जहाज पर प्राकृतिक गैस केँ तरलीकृत करत। व्यावसायिक संचालन सितंबर 2027 सँ शुरू होएबाक संभावना अछि।

परियोजनाक पहिल चरण में प्रतिवर्ष 2.45 मिलियन टन एलएनजी उत्पादनक लक्ष्य राखल गेल अछि, जे लगभग 28 एलएनजी कार्गो जहाजक बराबर होएत। एहि संग ई अर्जेंटीनाक पहिल परिचालित एलएनजी निर्यात परियोजना बनत।

उल्लेखनीय अछि जे ई अनुबंध Meridian Transportes Marítimos S.A. केर माध्यम सँ क्रियान्वित कएल जाएत, जे Adani Harbour International FZCOMeridian Group केर 51:49 संयुक्त उद्यम अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *