यूपी सरकार आ लावाक साझा पहल सँ 20,941 आंगनवाड़ी कार्यकर्ता बनताह डिजिटल रूप सँ सक्षम

नई दिल्ली : उत्तर प्रदेश सरकार आ भारतक भरोसेमंद स्वदेशी स्मार्टफोन ब्रांड लावा इंटरनेशनल लिमिटेड केर संयुक्त पहल सँ राज्यक 20,941 आंगनवाड़ी कार्यकर्ताकें डिजिटल रूप सँ सशक्त बनेबाक दिशा मे महत्वपूर्ण कदम उठाओल गेल अछि। ई पहल इंटीग्रेटेड चाइल्ड डेवलपमेंट सर्विसेज (ICDS) केर तहत अंतिम छोर धरि सेवा वितरणक व्यवस्था केँ मजबूत करत।

एहि सहयोगक अंतर्गत लावा अपन Storm Play सीरीजक स्मार्टफोन उपलब्ध करौने अछि, जे खास तौर पर फील्ड स्तर पर काज करय वाला कर्मी सभक आवश्यकता केँ ध्यान मे राखि तैयार कएल गेल अछि। एहि स्मार्टफोन मे मोबाइल डिवाइस मैनेजमेंट (MDM), सुपरवाइजर मॉनिटरिंग एप्लिकेशन आ राज्य-विशिष्ट इंटरफेस एकीकरणक सुविधा देल गेल अछि, जाहिसँ महिला एवं बाल विकास विभाग आ ICDS प्रणालीक संग सहज समन्वय सुनिश्चित होयत।

एहि डिजिटल व्यवस्था सँ आब आंगनवाड़ी कार्यकर्ता सभ रियल टाइम मे मातृ-शिशु स्वास्थ्य संबंधी डेटा अपडेट कऽ सकताह, उपस्थिति आ दैनिक गतिविधिक डिजिटल रिकॉर्ड राखि सकताह, नवजात शिशु आ स्तनपान करा रहल मातृगणक पोषण वितरणक निगरानी करि सकताह, आ त्वरित निर्णय लेल केंद्रीकृत डैशबोर्ड पर डेटा भेजि सकताह।

एहि अवसर पर लावा इंटरनेशनल लिमिटेडक एंटरप्राइज बिजनेसक मुख्य व्यवसाय अधिकारी लॉयड डिसूजा कहलनि जे,
“जमीनी स्तर पर डिजिटल परिवर्तन सिर्फ उपकरण उपलब्ध कराबय तक सीमित नहि अछि, बल्कि एहन मजबूत व्यवस्था बनाबय जरूरी अछि जे रोजमर्रा जरूरी सेवा देबय वाला कार्यकर्ताक लेल भरोसेमंद रूप सँ काज करय। उत्तर प्रदेश सरकार संग ई साझेदारी हमरा लेल गर्वक विषय अछि।”

ओ कहलनि जे ई पहल लावाक तकनीकी क्षमता, सॉफ्टवेयर समाधान आ जमीनी समझक संगमक उदाहरण अछि, जे सार्वजनिक क्षेत्रक वास्तविक जरूरत अनुरूप समाधान देबाक क्षमता दर्शाबैत अछि।

ई पहल मैनुअल प्रक्रिया सँ हटि रियल टाइम आ डेटा आधारित सेवा वितरण प्रणाली दिस एकटा महत्वपूर्ण बदलाव मानल जा रहल अछि, जाहिसँ महिला आ बाल विकास योजनाक प्रभावशीलता मे उल्लेखनीय सुधारक उम्मीद अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *