
नई दिल्ली। स्वामी दयानंद सरस्वती टी20 डे-नाईट टूर्नामेंट (Swami Dayanand Saraswati T20 Day-Night Tournament) क तेसर संस्करण मे पीजीडीएवी येल्लो आ पीजीडीएवी ब्लू टीम आसान जीत दर्ज कए शानदार प्रदर्शन केलक।
पहिल मैच मे करण सोनी (71 रन, 31 गेंद, 4 चौका, 8 छक्का) आ नैतिक यादव (67 रन, 26 गेंद, 7 चौका, 6 छक्का) क धुआंधार बल्लेबाजी आ हिमांशु (4 विकेट), सारंग अस्थाना (2 विकेट) आ जय शर्मा (2 विकेट) क उम्दा गेंदबाजी सँ पीजीडीएवी येल्लो 9 ओवर मे 142/0 बनाबैत आत्मा राम सनातन धर्म कॉलेज के 20 ओवर मे 139/9 पर रोकि 10 विकेट सँ एकतरफा जीत हासिल कएलक। हारल टीम क तरफ सँ वरुण भट्ट (33 रन) आ शौर्य भाटिया (32 रन) किछु संघर्ष केलक। करण सोनी के ‘मैन ऑफ द मैच’ क पुरस्कार प्रवीण त्यागी द्वारा प्रदान कएल गेल।
दोसर मैच मे लक्ष्य गोयल (136 रन, 47 गेंद, 6 चौका, 17 छक्का आ 2 विकेट), मंदीप सिंह (80 रन, 27 गेंद) आ राहुल बाग (42 रन, 13 गेंद) क विस्फोटक खेल सँ पीजीडीएवी ब्लू 20 ओवर मे 329/9 क विशाल स्कोर बनैलक आ आर्यभट्ट कॉलेज के 20 ओवर मे 176/8 पर रोकि 153 रन सँ पराजित कएलक।
आर्यभट्ट कॉलेज क ओर सँ पीयूष चंदीला (51 रन आ 5 विकेट) सराहनीय प्रदर्शन केलक, मुदा टीम के जीत नहि दिला सकल। लक्ष्य गोयल के शानदार ऑलराउंड प्रदर्शन लेल ‘मैन ऑफ द मैच’ घोषित कएल गेल।
टूर्नामेंट मे युवा खिलाड़ी सभ क उत्साहजनक प्रदर्शन दर्शक सभ के खूब प्रभावित कए रहल अछि।