नवविवाहित वसुधा आ देवांशक जिनगीमे खास मेहमानक आगमनसँ बढ़त कहानीक रोमांच, दर्शकसभके भेटत मनोरंजनक नया सरप्राइज
नई दिल्ली। किछु कथा अपन भावना, हृदयके स्पर्श करयवला पात्र आ अप्रत्याशित घटनाक्रमक कारण दर्शकक मोनमे लंबा समय धरि बसल रहैत अछि। जी टीवीक लोकप्रिय धारावाहिक ‘वसुधा’ सेहो अपन रोचक कथा आ रिश्ताक खूबसूरत चित्रणसँ लगातार दर्शकसभक दिल जीत रहल अछि। धारावाहिकक प्रत्येक नया मोड़ कहानीमे नव रंग भरि रहल अछि। भारतीय टेलीविजनक लोकप्रिय शो सभमे अपन स्थान बना चुकल एहि धारावाहिकमे आब एकटा खास घटनाक्रम देखबाक लेल भेटत।
कतेको कठिनाइ आ परीक्षासभसँ गुजरलाक बाद आखिरकार वसुधा आ देवांश एक-दोसराक संग अपन नव जीवनक शुरुआत कयने छथि। चंद्रिका सेहो वसुधाके अपन बहू मानि दुनू गोटेक संबंधके अपन आशीर्वाद देलनि अछि। विवाहक खुशी आ विवाहक बादक रस्मसभक बीच ई नवविवाहित जोड़ी अपन नव संबंधक खूबसूरत पलके जी रहल अछि।
मुदा जखन वसुधा आ देवांश अपन नव संसारमे रमय लगलाह, तखने हुनका सभक लेल एकटा खास सरप्राइज प्रतीक्षा कय रहल अछि। शोमे बॉलीवुड अभिनेता आयुष्मान खुराना आ अभिनेत्री शरवरी वाघक विशेष एंट्री होबय जा रहल अछि। दुनू कलाकारक आगमनसँ कहानीमे एकटा रोचक मोड़ आएत, जे वसुधा आ देवांशक आगूक सफरके लऽ कऽ दर्शकसभक उत्सुकता आओर बढ़ा देत।
सेट पर कलाकारसभक संग खूब भेल मस्ती
आयुष्मान खुराना आ शरवरी वाघ धारावाहिकक सेट पर पूरा स्टार कास्टक संग खूब मस्ती कयलनि। ओतहि वसुधाक भूमिका निभा रहल प्रिया ठाकुर आ देवांशक भूमिका निभा रहल अभिषेक शर्मा सेहो दुनू बॉलीवुड कलाकारक संग शूटिंग करबाक अनुभवसँ काफी उत्साहित नजर अयलाह।
अपन खुशी व्यक्त करैत प्रिया ठाकुर आ अभिषेक शर्मा कहलनि, “आयुष्मान आ शरवरीक संग शूटिंग करबाक अनुभव हमरा सभक लेल बेहद शानदार रहल। पूरा सीक्वेंस बहुत खूबसूरतीसँ तैयार कयल गेल अछि आ हम सभ दर्शकके ई दृश्य देखेबाक बेसब्रीसँ प्रतीक्षा कऽ रहल छी। ई बात हमरा सभक लेल आओर खास छल जे दुनू कलाकार वसुधा आ देवांशक जीवनक एतेक महत्वपूर्ण क्षणक हिस्सा बनलाह।”
ओ सभ आगू कहलनि जे ई दर्शकसभक लेल एकटा प्यारा सरप्राइज अछि। हुनका सभके पूरा विश्वास अछि जे आगू कहानीमे जे किछु होयत, से दर्शकसभके जरूर पसंद आएत। कहानीमे आब किछु बेहद रोचक देखबाक लेल भेटत, तेँ दर्शक सभ धारावाहिकक संग बनल रहथि।
वसुधा आ देवांशक नव जीवनक शुरुआत, बॉलीवुडक खास मेहमानक मौजूदगी आ कहानीमे आबयवला अप्रत्याशित मोड़ शोके एक बेर फेर दर्शकसभक लेल खास बनेबाक तैयारीमे अछि।
मुदा सभसँ पैघ सवाल ई अछि जे आयुष्मान खुराना आ शरवरी वाघक खास एंट्री नवविवाहित वसुधा आ देवांशक जीवनमे कोन नव रंग भरत? हुनका सभक लेल कोन खास सरप्राइज प्रतीक्षा कऽ रहल अछि? ई सभ जानबाक लेल देखैत रहू जी टीवी पर लोकप्रिय धारावाहिक ‘वसुधा’।
