उत्तर प्रदेशक 25 लाख छात्र-छात्राके भेटत मुफ्त टैबलेट, पहिल खेपमे 30 हजार लावा एस91 टैबलेट वितरित
नई दिल्ली। भारतक स्वदेशी आ विश्वसनीय एंटरप्राइज टेक्नोलॉजी ब्रांड लावा इंटरनेशनल लिमिटेड स्वामी विवेकानंद युवा सशक्तिकरण योजनाक तहत उत्तर प्रदेश सरकारक संग साझेदारी कयलक अछि। एहि साझेदारीक अंतर्गत लावा राज्य सरकारके लावा एस91 टैबलेट उपलब्ध करा रहल अछि। एहि अभियानक पहिल खेपमे 30 हजार टैबलेट 15 नवंबरके लखनऊ स्थित राष्ट्र प्रेरणा स्थल पर वितरित कयल गेल।
मुख्यमंत्री योगी आदित्यनाथक नेतृत्वमे शुरू कयल गेल एहि योजनाक अंतर्गत पूरा उत्तर प्रदेशमे 25 लाख छात्र-छात्राके मुफ्त टैबलेट देबाक लक्ष्य राखल गेल अछि। ई पहल राज्यक व्यापक ‘विकसित उत्तर प्रदेश’ अभियानक हिस्सा अछि। एकर मुख्य उद्देश्य डिजिटल दूरी कम करब आ राज्यक युवाक लेल आधुनिक तकनीक तक पहुंच आसान बनायब अछि।
लखनऊमे आयोजित टैबलेट वितरण समारोहमे मुख्यमंत्री योगी आदित्यनाथ, उपमुख्यमंत्री केशव प्रसाद मौर्य आ ब्रजेश पाठक, आईटी एवं इलेक्ट्रॉनिक्स मंत्री सुनील कुमार शर्मा तथा औद्योगिक विकास मंत्री नंद गोपाल गुप्ता सहित राज्यक अनेक गणमान्य व्यक्ति उपस्थित छलाह।
ई पहल प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक ‘डिजिटल इंडिया’ दृष्टिकोणक अनुरूप अछि। एकर माध्यमसँ छात्र-छात्राके शिक्षा, कौशल विकास आ भविष्यक रोजगारक अवसर लेल डिजिटल संसाधन उपलब्ध कराओल जाएत। स्नातक, स्नातकोत्तर, आईटीआई, डिप्लोमा आ कौशल विकास कार्यक्रमसँ जुड़ल युवाके एहि योजनाक लाभ भेटत।
ई टैबलेट केवल सामान्य डिजिटल उपकरण नहि, बल्कि आधुनिक शिक्षा आ तकनीकी विकासक नव अवसरक माध्यम बनत। एकर माध्यमसँ छात्र-छात्रा डिजिटल लर्निंग प्लेटफॉर्म, आधुनिक तकनीकी प्रशिक्षण आ वैश्विक ज्ञान भंडार तक सीधा पहुंच बना सकताह। एहि पहलके व्यापक उद्देश्य युवाके केवल रोजगार खोजय वाला नहि, बल्कि भविष्यक नवाचारकर्ता आ रोजगार सृजनकर्ता बनेबाक अछि।
डिजिटल सशक्तिकरण लेल लावा प्रतिबद्ध
एहि साझेदारी पर प्रतिक्रिया दैत लावा इंटरनेशनल लिमिटेडक एंटरप्राइज बिजनेस प्रमुख लॉयड डिसूजा कहलनि जे कंपनी लगातार एहन पहलसँ जुड़बाक प्रयास करैत रहल अछि, जाहिसँ समाजक जमीनी स्तर पर लोक सशक्त बनथि।
ओ कहलनि, “एकटा भारतीय टेक्नोलॉजी ब्रांडक रूपमे हमरा सभक विश्वास अछि जे सार्थक परिवर्तन डिजिटल समावेशन, आधुनिक नवाचारके सब लेल सुलभ बनेबाक प्रयास आ मजबूत तकनीक आधारित बुनियादी ढांचाक माध्यमसँ संभव अछि। हम ‘विकसित भारत’ बनेबाक राष्ट्रीय दृष्टिकोणक तहत विभिन्न राज्य सरकार सभक संग सक्रिय रूपसँ काज कय रहल छी। एहि ऐतिहासिक पहलमे हमरा सभ पर विश्वास जतयबाक लेल हम माननीय मुख्यमंत्री आ उत्तर प्रदेशक कैबिनेट मंत्रिगणक प्रति आभार व्यक्त करैत छी। लावा प्रत्येक भारतीय लेल नवाचार, तकनीक आ ओकर लाभ तक समान पहुंच सुनिश्चित करबाक लेल प्रतिबद्ध अछि।”
आधुनिक सुविधासँ लैस अछि लावा एस91 टैबलेट
लावा एस91 टैबलेटमे 8.68 इंचक एचडी प्लस डिस्प्ले, हाई-परफॉर्मेंस मीडियाटेक ऑक्टा-कोर प्रोसेसर, 4 जीबी रैम आ 64 जीबी इंटरनल स्टोरेज देल गेल अछि। ई क्लीन एंड्रॉयड 15 ऑपरेटिंग सिस्टम पर आधारित अछि। एकरामे 5,100 एमएएच क्षमताक बैटरी, डुअल स्पीकर, वाई-फाई आ एलटीई कनेक्टिविटी, 8 मेगापिक्सल रियर कैमरा आ 5 मेगापिक्सल फ्रंट कैमरा उपलब्ध अछि। डिवाइसक सुरक्षा लेल एकटा टैबलेट कवर सेहो देल गेल अछि।
एहि सुविधासभक मददसँ छात्र-छात्रा ऑनलाइन क्लास, शैक्षणिक वेबिनार, इंटरैक्टिव कोर्स, तकनीकी असाइनमेंट आ वैश्विक ज्ञान डेटाबेसक उपयोग आसानीसँ कय सकताह। एहि डिजिटल सुविधासँ युवाके मांग आधारित आधुनिक कौशल हासिल करबाक आ करियरमे बेहतर अवसर प्राप्त करबाक मदद भेटत।
बड़ पैमाना पर विशेष रूपसँ तैयार कयल गेल तकनीकी उपकरण उपलब्ध कराकऽ लावा जमीनी स्तर पर डिजिटल समावेशनके बढ़ावा देबाक प्रयास कय रहल अछि। संगहि ई साझेदारी उत्तर प्रदेशके तेजी सँ विकसित होइत तकनीक आ मैन्युफैक्चरिंग हबक रूपमे स्थापित करबाक दिशामे सेहो योगदान देत।
