भोपाल। जर्नलिस्ट वेलफेयर फाउंडेशन द्वारा पत्रकारिताक क्षेत्रमे पाँच दशकसँ बेसीक समृद्ध अनुभव रखनिहार वरिष्ठ पत्रकार आ स्वदेश न्यूज़, भोपालक चैनल हेड आर. पी. श्रीवास्तवकेँ मध्यप्रदेशक प्रदेश संयोजक नियुक्त कएल गेल अछि।
फाउंडेशनक संस्थापक एवं मुख्य संरक्षक कृष्ण मोहन झा श्री आर. पी. श्रीवास्तवक नियुक्तिक घोषणा करैत कहलनि जे पत्रकारिताक क्षेत्रमे हुनकर दीर्घ अनुभव, व्यापक संपर्क आ पत्रकारिताक गहींर समझ संस्थाक लेल महत्वपूर्ण मार्गदर्शक भूमिका निभाओत।
ओ कहलनि जे जर्नलिस्ट वेलफेयर फाउंडेशन केवल एकटा संस्था नहि, बल्कि पत्रकार आ हुनकर परिवारसभकेँ संग लऽ चलनिहार एकटा व्यापक पारिवारिक संरचना अछि। संस्थाक उद्देश्य पत्रकार आ हुनकर परिवार लेल सुरक्षा, सहयोग, सम्मान आ विश्वास पर आधारित मजबूत वेलफेयर व्यवस्था विकसित करब अछि।
कृष्ण मोहन झा कहलनि जे आर. पी. श्रीवास्तव सन अनुभवी पत्रकारक संस्थासँ जुड़ब एहि प्रयासकेँ आरो मजबूती देत। हुनकर अनुभव आ मार्गदर्शनसँ मध्यप्रदेशमे संस्थाक संरचनाकेँ व्यापक आ व्यवस्थित रूप देबामे सहायता भेटत।
श्री आर. पी. श्रीवास्तवक नियुक्ति पर पत्रकारिता जगतसँ जुड़ल सहयोगीसभ प्रसन्नता व्यक्त कएलनि आ एकरा पत्रकार कल्याणक दिशा मे सकारात्मक पहल बतौलनि।
जर्नलिस्ट वेलफेयर फाउंडेशनक ध्येय वाक्य अछि—
“पत्रकारक संग, परिवारक विश्वासक संग।”
संस्थाक मूल भावना अछि— “संस्था नहि, पत्रकार परिवार छथि।”
