अक्षय पात्र जिनेवामे संयुक्त राष्ट्रक विकास संवादमे लेलक भाग

हर बच्चाक भोजन, टिकाऊ भविष्यक निवेश: संयुक्त राष्ट्रक मंच पर अक्षय पात्र रखलक अपन विचार

नई दिल्ली। अक्षय पात्र फाउंडेशन जिनेवा स्थित संयुक्त राष्ट्रक पैलेस ऑफ नेशंसमे आयोजित ‘डेवलपमेंट डायलॉग्स’मे भाग लेलक। एहि दौरान फाउंडेशन ‘रिस्पॉन्सिबिलिटी बाय डिजाइन: प्रॉमिसिंग बिजनेस प्रैक्टिसेज’ विषय पर आयोजित पैनल चर्चा मे अपन विचार रखलक।

एहि कार्यक्रमक मेजबानी विकासक अधिकार पर संयुक्त राष्ट्रक विशेष प्रतिवेदक प्रो. सूर्या देवा कयने छलाह। ई चर्चा संयुक्त राष्ट्रक बिजनेस एंड ह्यूमन राइट्स फोरमक अवसर पर आयोजित कयल गेल।

पैनल चर्चा मे अक्षय पात्र फाउंडेशनक कार्यकारी निदेशक (रणनीति एवं अंतरराष्ट्रीय मामला) श्री नवीन नीरद दास कहलनि जे स्कूली बच्चासभकेँ भोजन उपलब्ध करेनाइ एकटा सुनियोजित सामाजिक पहल अछि। ई पहल बच्चासभकेँ पोषण सुरक्षा देबाक संगहि सामाजिक सुरक्षा प्रदान करबाक माध्यम सेहो बनैत अछि। अक्षय पात्र पछिला 26 वर्षसँ केंद्र सरकारक प्रमुख पीएम पोषण (मध्याह्न भोजन) योजनाक कार्यान्वयनमे महत्वपूर्ण भूमिका निभा रहल अछि।

ओ कहलनि जे अक्षय पात्र एकटा सफल आ समयक कसौटी पर खरा उतरनिहार सार्वजनिक-निजी भागीदारी (पीपीपी) मॉडल अछि, जाहिमे सरकार, गैर-लाभकारी आ लाभकारी क्षेत्र मिलि भूखक समस्या दूर करबाक लेल काज करैत अछि। प्रत्येक बच्चाकेँ देल गेल भोजन टिकाऊ भविष्यक निर्माणमे निवेश अछि।

ओ एहि बात पर सेहो जोर देलनि जे एहन सफल व्यावसायिक संस्थानक उदाहरणकेँ बढ़ावा देबाक चाही, जे मानवाधिकार आ पर्यावरणीय जिम्मेदारीकेँ अपन व्यावसायिक मॉडलमे शामिल कय लाभप्रदता सेहो बनौने रखैत अछि। एहन उदाहरण अन्य संस्थानसभकेँ सेहो जिम्मेदार आ टिकाऊ कार्यप्रणाली अपनाबय लेल प्रेरित करत।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *