नई दिल्ली। रामलीला, दुर्गापूजा आ अन्य पर्व-त्योहार तथा आयोजन लेल टाटा पावर-डीडीएल 24 घंटाक भीतर तत्काल अस्थायी बिजली कनेक्शन उपलब्ध कराओत। एहि लेल आयोजककेँ नजदीकी डिवीजन कार्यालयक कस्टमर केयर सेंटर पर आवश्यक औपचारिकता पूरा करय पड़त। ऑनलाइन आवेदनक सुविधा सेहो उपलब्ध अछि।
कंपनीक अनुसार, आवेदन आ डिमांड नोट जमा भेलाक बाद मीटर उपलब्ध कराकऽ बिजली कनेक्शन जारी कएल जाएत। पर्व-त्योहारक समय आयोजनसभमे बिजलीक बढ़ैत मांगकेँ देखैत जोनल कार्यालयसभमे पर्याप्त मीटरक व्यवस्था कएल गेल अछि।
बड़का धार्मिक आ सार्वजनिक आयोजनक दौरान बिजली सुरक्षा सुनिश्चित करबाक लेल टाटा पावर-डीडीएलक टीम आयोजन स्थल पर बिजलीक खंभा, स्ट्रीट लाइट, टावर, तार, सब-स्टेशन आ फीडर आदिक नियमित जांच कऽ रहल अछि।
कंपनी आयोजकसभसँ बिजलीक वायरिंगमे विशेष सावधानी बरतबाक आ ढीला कनेक्शनसँ बचबाक अपील कएने अछि। बिजलीक झटका आ आगि सँ सुरक्षा लेल ईएलसीबी (अर्थ लीकेज सर्किट ब्रेकर) लगयबाक सलाह सेहो देल गेल अछि।
टाटा पावर-डीडीएलक प्रवक्ताक अनुसार, तत्काल अस्थायी बिजली कनेक्शनक सुविधा रामलीला आ दुर्गापूजाक अतिरिक्त शादी-बियाह तथा अन्य आयोजन लेल सेहो लेल जा सकैत अछि। त्योहारी मौसममे कंपनीक टीम हाई अलर्ट पर रहत आ उपभोक्तासभकेँ सुरक्षित एवं निर्बाध बिजली आपूर्ति सुनिश्चित करबाक पर जोर देत।
