नई दिल्ली। केंद्र सरकार बृहस्पतिदिन दिल्ली हाई कोर्टके सूचित कयलक जे ‘कॉकरोच जनता पार्टी’ (CJP) के नेता सौरव दासक पासपोर्ट रिकॉर्डमे गंभीर विसंगति भेटबाक कारण हुनका खिलाफ ‘लुकआउट सर्कुलर’ (LOC) जारी कयल गेल अछि। किछु दिन पहिनहि दिल्ली एयरपोर्ट पर इमिग्रेशन अधिकारी हुनका यूनाइटेड किंगडम (UK) जाएवाली फ्लाइटमे सवार होयबाक अनुमति नहि देने छलथिन। विदेश यात्रा पर लगाओल गेल एहि रोकके चुनौती दैत सौरव दास उच्च न्यायालयमे याचिका दायर कयने छलाह।
सुनवाईक दौरान केंद्र सरकार ईहो स्पष्ट कयलक जे दासक पासपोर्ट दस्तावेजमे स्कूली शिक्षा, आवासीय पता आ माता-पिताक विवरणसँ जुड़ल जे गड़बड़ी सामने आएल अछि, से हुनकर भारतीय नागरिकता पर सेहो गंभीर सवाल उठा सकैत अछि।
केंद्र सरकारक तरफसँ पेश एडिशनल सॉलिसिटर जनरल (ASG) चेतन शर्मा न्यायमूर्ति अमित महाजनके बतौलनि जे मुंबई पुलिस 23 नवंबरके LOC जारी कयने छल। ई घटना ओहि समयसँ ठीक एक दिन पहिने भेल, जखन दासके ‘कॉकरोच आंदोलन’ (Cockroach Movement) पर ऑक्सफोर्ड यूनिवर्सिटीक विद्यार्थीसँ संबोधित करबाक लेल UK जाएबाक छल।
सुनवाईक दौरान LOC जारी होयबाक मुद्दा विवादक मुख्य बिंदु बनल। दासक वकील सवाल उठौलनि जे बिना कोनो सूचना अथवा यात्रा पर रोक लगाबयवला आदेश देखौने हुनका देश छोड़यसँ कोना रोकल जा सकैत अछि?
दासक तरफसँ पेश वरिष्ठ अधिवक्ता अखिल सिब्बल दलील देलनि जे हुनकर मुवक्किलके दिल्ली एयरपोर्ट पहुंचलाक बादे ‘कारण बताओ नोटिस’ भेटल। ओतय इमिग्रेशन अधिकारी हुनका फ्लाइटमे चढ़यसँ रोकि देने छलथिन। सिब्बल सवाल उठौलनि, “हमरा कोनो नोटिस नहि देल गेल। केओ त हमरा बतबैत जे हमरा खिलाफ LOC जारी भेल अछि। नागरिक सभक संग एहन व्यवहार कोना कयल जा सकैत अछि?”
दासक वकील केंद्र सरकारसँ LOC जारी करबाक आधार स्पष्ट करबाक मांग कयलनि। संगहि कानूनी कार्रवाई आगू बढ़ेबाक लेल एहि सर्कुलरक एक प्रति सेहो मांगलनि। वकील कहलनि, “कोन अपराध लेल आ कहिया ई LOC जारी कयल गेल? हमरा अपन जवाब दाखिल करय दिअ। हमरा लग सेहो त कोनो कानूनी रास्ता होयबाक चाही।”
हालांकि, केंद्र सरकार कहलनि जे LOCक प्रति नहि देल जा सकैत अछि। शर्मा दलील देलनि जे आब दासके एहि LOCक जानकारी भ गेल अछि, तें ओ अलगसँ कानूनी प्रक्रिया अपनाक एकरा चुनौती देबाक लेल स्वतंत्र छथि।
विदेश यात्रा पर रोक लगबाक कारण बतबैत शर्मा पुडुचेरीक पुलिस अधीक्षक (SP) द्वारा 20 अगस्तके कयल गेल जांचक हवाला देलनि। एहि जांचमे दासक पासपोर्ट रिकॉर्डमे स्कूली शिक्षा, आवासीय पता आ माता-पिताक विवरणसँ जुड़ल गड़बड़ी भेटल छल। केंद्रक अनुसार, दास पासपोर्ट आवेदनमे पिता नामक कॉलम खाली छोड़ने छलाह, जबकि किछु दस्तावेजमे हुनकर पता दिल्ली आ किछु अन्य दस्तावेजमे पुडुचेरी दर्ज छल। शर्मा तर्क देलनि जे एहि विसंगतिक असर हुनकर भारतीय नागरिकता पर सेहो पड़ि सकैत अछि।
सरकार अदालतके ईहो बतौलक जे 23 नवंबरके साँझ 7:32 बजे दासके ‘शो-कॉज नोटिस’ अर्थात कारण बताओ नोटिस जारी कयल गेल छल। एकर ठीक चारि मिनट बाद, साँझ 7:36 बजे ‘ट्रैवल एडवाइजरी’ अर्थात यात्रा संबंधी परामर्श जारी कयल गेल। एहि विसंगतिसभ पर स्पष्टीकरण देबाक लेल हुनका 30 नवंबर तक समय देल गेल छल।
शर्मा दासक याचिकाक स्वीकार्यतापर सेहो सवाल उठौलनि। हुनकर तर्क छल जे अधिकारी हुनका केवल विदेश यात्रा नहि करबाक सलाह देने छलाह, हुनकर पासपोर्ट रद्द नहि कयने छलाह। ओ कहलनि जे नोटिसक जवाब देबाक बदला दास हाई कोर्टक शरण लेब उचित बुझलनि।
दुनू पक्षक दलील सुनलाक बाद हाई कोर्ट केंद्र सरकार, गृह मंत्रालय आ पुलिसके नोटिस जारी कयलक। अदालत हुनका सभसँ 9 दिसंबर तक जवाब मांगने अछि। एहि दिन मामलाक अगिला सुनवाई होयत।
ऑक्सफोर्ड यूनिवर्सिटीमे संबोधन देबाक लेल जाएवला दास दावा कयलनि जे 24 नवंबरके दिल्ली एयरपोर्टक इमिग्रेशन काउंटर पर हुनका रोकि लेल गेल। हुनकर कहब छल जे विदेश यात्रा पर रोक लगाबयवला कोनो आदेश हुनका नहि देखाओल गेल।
