रोजक जिनगीक भागदौड़ बनल असल वर्कआउट, होर्लिंक्स लाएल नया प्रोटीन पाउडर

मुंबई : फिटनेसक मतलब आब केवल जिममे पसीना बहब नहि रहि गेल अछि। काजक व्यस्तता, लम्बा यात्रा, घरक जिम्मेदारी आ दिनभरक लगातार सक्रियता सेहो शरीर सँ ऊर्जा आ मजबूतीक मांग करैत अछि। बदलैत एहि सोचक संग अभिनेता आ फिटनेस आइकन समीरा रेड्डी होर्लिंक्सक नव अभियानक माध्यम सँ रोजमर्रा जिनगी आ फिटनेसक संबंध केँ खास अंदाजमे प्रस्तुत केलनि।

ब्रांडक नव विचार “Your Day Is the Real Workout” एहि सोच पर आधारित अछि जे रोजक जिनगी अपने आपमे कोनो वर्कआउट सँ कम नहि अछि। एहि अभियानक माध्यम सँ समीरा रेड्डी संदेश देलनि जे फिटनेस आ न्यूट्रिशन केँ केवल जिम अथवा एक्सरसाइज धरि सीमित नहि रखबाक चाही, बल्कि एकरा रोजमर्रा जिनगीक जरूरतक संग जोड़ब जरूरी अछि।

होर्लिंक्सक नव प्रोटीन पाउडरक प्रत्येक सर्विंगमे 24 ग्राम प्रोटीन आ 4 ग्राम प्रीबायोटिक फाइबर देल गेल अछि। व्यस्त दिनचर्या केँ ध्यानमे रखैत एकरा सिंगल-सर्व सैशेक रूपमे पेश कएल गेल अछि। एकरा ऑफिस, यात्रा अथवा दिनभरक भागदौड़क दौरान आसानी सँ उपयोग कएल जा सकैत अछि।

फर्मेंटेड यीस्ट प्रोटीन खासियत

नव प्रोटीन पाउडरक प्रमुख विशेषता फर्मेंटेड यीस्ट प्रोटीन अछि, जे शरीरक लेल जरूरी सभ नौ आवश्यक अमीनो एसिड प्रदान करैत अछि। उत्पादक PDCAAS स्कोर 1.0 बताओल गेल अछि। एकरामे इन्यूलिन प्रीबायोटिक फाइबर आ पपेन सेहो शामिल अछि।

ई उत्पाद चॉकलेट, कॉफी आ अनफ्लेवर्ड—तीन प्रकारक वैरिएंटमे उपलब्ध अछि।

हिंदुस्तान यूनिलीवर लिमिटेडक एग्जीक्यूटिव डायरेक्टर, फूड्स राजनीत कोहली कहलनि जे 100 वर्ष सँ बेसी पुरान विरासतक संग होर्लिंक्स लेल प्रोटीन बदलैत उपभोक्ता जरूरतक अनुरूप एकटा स्वाभाविक विस्तार अछि।

वहीं, Foods R&D & Regulatory Affairs की Vice President एवं Head सुजाता जयरामन प्रोटीनक मात्रा संग-संग ओकर गुणवत्ता आ पूर्णताक महत्व पर जोर देलनि।

1 किलो पैकमे 28 सिंगल-सर्व सैशे

होर्लिंक्सक 1 किलोग्राम पैकमे 28 सिंगल-सर्व सैशे देल गेल अछि। एहि सँ प्रत्येक बेर स्कूप सँ मात्रा नापबाक जरूरत नहि रहैत अछि।

नव लॉन्चक माध्यम सँ होर्लिंक्स प्रोटीन केँ केवल फिटनेस प्रेमीक जरूरत नहि मानि, बल्कि व्यस्त आ सक्रिय जीवन जीबयवला आम भारतीयक दैनिक पोषणक हिस्सा बनाबय दिस कदम बढ़ौलक अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *