नई दिल्ली। जी टीवीक लोकप्रिय सिंगिंग रियलिटी शो ‘सा रे गा मा पा 2026’ दर्शकक बीच खूब पसंद कयल जा रहल अछि। ‘हिंदुस्तान का संगीतस्थान’ बनेबाक उद्देश्यक संग शुरू भेल एहि सीजनमे आब संगीतकार, गायक आ गीतकार अनु मलिकक खास एंट्री होबय जा रहल अछि। ओ किछु सप्ताह धरि स्पेशल जजक भूमिका निभबैत प्रतियोगी सभक गायकीक मूल्यांकन करताह आ सुरक महफिल सजौताह।
एहि सीजनमे भारतीय संगीतक समृद्ध विरासत आ नवोदित प्रतिभाक जश्न मनाओल जा रहल अछि। शोमे शंकर महादेवन, जावेद अली, नीति मोहन आ कुमार सानू जजक भूमिका निभा रहल छथि। ई सभ मिलि क’ एहन प्रतिभाशाली गायक सभक चयन क’ रहल छथि, जे अपन आवाजसँ पूरा देशक दिल जीत सकथि। ओतहि शो के होस्ट श्रेयस तलपड़े अपन मजेदार अंदाज, बेबाक बातचीत आ रोचक किस्सा सभसँ दर्शकक मनोरंजन क’ रहल छथि।
अनु मलिक पहिने सेहो ‘सा रे गा मा पा’ सँ जुड़ल रहल छथि। एहि प्रतिष्ठित मंच पर हुनकर वापसी दर्शक लेल पुरान स्मृति ताजा करबाक संग शोमे नव रंग भरत। एहि बेर ओ स्पेशल जजक रूपमे किछु सप्ताह तक नजर अयताह। जजक रूपमे ई हुनकर चारिम पारी होयत। प्रतियोगी जतय अपन गायकीक दम पर अलग पहचान बनेबाक प्रयास क’ रहल छथि, ओतहि अनु मलिकक अनुभव आ संगीतक समझ हुनका सभक लेल प्रेरणादायक साबित भ’ सकैत अछि।
वापसी पर की कहलनि अनु मलिक?
शोमे अपन वापसी पर अनु मलिक कहलनि, “हम बहुत वर्षसँ ‘सा रे गा मा पा’ सँ जुड़ल रहल छी। एहि शोमे फेर वापस आबि कतेको सुन्दर स्मृति ताजा भ’ रहल अछि। संगीतक बीच रहब आ एहन युवा गायक सभसँ भेटब, जिनका भीतर प्रतिभा आ जुनून अछि, हमरा सदिखन नीक लगैत अछि।”
ओ कहलनि जे गायकी केवल सुर आ ताल धरि सीमित नहि अछि। एहि मे भावनाकेँ अभिव्यक्त करबाक आ श्रोता सभक हृदय तक पहुंचबाक क्षमता सेहो जरूरी अछि। प्रत्येक गायकक अपन अंदाज आ अपन कहानी होइत अछि आ इएह संगीतकेँ खूबसूरत बनबैत अछि।
अनु मलिक ‘सा रे गा मा पा’ सन मंचक प्रशंसा करैत कहलनि जे ई लगातार नव प्रतिभा सभकेँ खोजबाक, हुनका निखारबाक आ ‘हिंदुस्तान का संगीतस्थान’ बनेबाक अपन यात्रा जारी रखने अछि। ओ एहि संगीतमय आयोजनक हिस्सा बनेबाक आ नव पीढ़ीक प्रतिभाकेँ नजदीकसँ देखबाक लेल उत्साहित छथि।
ओ विशेष रूपसँ एहि सीजनक 360 डिग्री अनूठा सेट आ 100 सँ बेसी संगीतकार तथा कोरस गायकक मौजूदगीक चर्चा कयलनि। हुनकर अनुसार, एहि व्यवस्था सँ प्रत्येक प्रस्तुति आओर आकर्षक आ प्रभावशाली बनि रहल अछि।
प्रतिभाशाली प्रतियोगी, शानदार संगीत प्रस्तुति आ संगीत जगतक प्रसिद्ध हस्ती सभक मौजूदगी ‘सा रे गा मा पा 2026’ केँ भारतीय संगीतक एकटा खास उत्सव बना रहल अछि। अनु मलिकक वापसी निश्चित रूपसँ एहि सीजनक आकर्षणकेँ आओर बढ़ाओत।
देखय लेल नहि बिसरब ‘सा रे गा मा पा 2026’, प्रत्येक शनिवार आ रविवार राति 9:30 बजे, सिर्फ जी टीवी पर।
