लावा विराट कर्व 5G फ्लिपकार्ट पर बिक्री लेल उपलब्ध, शुरुआती कीमत 19,999 टाका

दिल्ली। भारतक प्रमुख घरेलू स्मार्टफोन ब्रांड लावा इंटरनेशनल लिमिटेड अपन नव विराट कर्व 5G स्मार्टफोनक बिक्री शुरू क’ देलक अछि। ई फोन आइ साँझ 7 बजे सँ फ्लिपकार्ट पर खरीद लेल उपलब्ध होएत। बैंकक सभ ऑफर शामिल कएलाक बाद फोनक शुरुआती कीमत 19,999 टाका राखल गेल अछि।

विराट कर्व 5G मे 6.67 इंचक FHD+ 3D कर्व्ड AMOLED डिस्प्ले देल गेल अछि, जे 120Hz रिफ्रेश रेट आ 1100 निट्स पीक ब्राइटनेस सपोर्ट करैत अछि। फोनमे MediaTek Dimensity 7100 प्रोसेसर, प्रीमियम वीगन लेदर फिनिश, रियर मिनी स्क्रीन, Vayu AI आ 50MP Sony IMX752 प्राइमरी रियर कैमरा देल गेल अछि। कैमरा EIS सपोर्ट करैत अछि।

फोनमे 6000mAh बैटरी आ 45W फास्ट चार्जिंगक सपोर्ट अछि। एकर संग बॉक्समे 33W चार्जर देल जाइत अछि। फोनकेँ MIL-STD-810H मिलिट्री-ग्रेड सर्टिफिकेशन सेहो प्राप्त अछि।

विराट कर्व 5G तीन रंग—हेरिटेज इंडिगो, मकराना आइवरी आ एलोरा स्लेट—मे उपलब्ध अछि। ई Android 16 पर चलैत अछि आ कंपनीक अनुसार फोनमे कोनो ब्लोटवेयर वा विज्ञापन नहि अछि। कंपनी फोन लेल 2 सालक OS अपग्रेड आ 3 सालक सिक्योरिटी अपडेट देबाक घोषणा केने अछि।

कीमत आ लॉन्च ऑफर

6GB RAM + 128GB स्टोरेज

  • एमआरपी: 23,999 टाका
  • स्पेशल लॉन्च ऑफर: 19,999 टाका*
  • *सभ बैंक ऑफर शामिल अछि।

प्रमुख फीचर

  • डिस्प्ले: 6.67 इंच FHD+ 3D कर्व्ड AMOLED, 120Hz रिफ्रेश रेट
  • प्रोसेसर: 2.4GHz MediaTek Dimensity 7100, 6nm
  • AI: Vayu AI
  • रियर मिनी स्क्रीन: नोटिफिकेशन आ अन्य सुविधाक लेल मल्टीफंक्शनल डिस्प्ले पैनल
  • बैटरी: 6000mAh, 45W फास्ट चार्जिंग
  • RAM/स्टोरेज: 6GB LPDDR5 RAM + 6GB तक वर्चुअल RAM, 128GB ROM
  • रियर कैमरा: 50MP Sony IMX752 सेंसर, EIS सपोर्ट
  • फ्रंट कैमरा: 13MP, स्क्रीन फ्लैशक संग
  • ड्यूरेबिलिटी: IronGuard Protection, Al-Si DT Star 2 कवर ग्लास आ मिलिट्री-ग्रेड सर्टिफिकेशन
  • ऑडियो: डुअल स्टीरियो स्पीकर आ डुअल माइक नॉइज कैंसिलेशन
  • वजन: 184 ग्राम
  • ऑपरेटिंग सिस्टम: Android 16, बिना ब्लोटवेयर आ विज्ञापनक
  • फिनिश: प्रीमियम वीगन लेदर बैक / प्रीमियम 3D PMMA बैक
  • वारंटी: हैंडसेट पर 1 सालक रिप्लेसमेंट वारंटी आ एक्सेसरीज पर 6 महिनाक वारंटी

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *