छठ गीत पर एतेक संकीर्ण सोच! आखिर कोन अस्मिताक रक्षा करबाक दंभ?

नई दिल्ली। भारतक आत्मा कोनो एक भाषा, बोली, क्षेत्र अथवा समुदायक सांस्कृतिक सीमा मे कैद नहि अछि। भारतक विराट सभ्यतागत चेतना विभिन्न संस्कृति, परंपरा, आस्था आ जीवन-पद्धतिक सह-अस्तित्व सँ बनल अछि। एहि विविधतामे एकता भारतीयताक मूल पहचान थिक।

देशक प्रमुख महानगर, विशेष क’ मुंबई सन आर्थिक राजधानी मे बिहार, झारखंड आ पूर्वी उत्तर प्रदेशक लाखों लोक दशकों सँ अपन मेहनत, प्रतिभा आ पुरुषार्थक बल पर न केवल आजीविका अर्जित क’ रहल छथि, बल्कि महानगरक आर्थिक समृद्धि आ सामाजिक संरचनाकेँ सेहो मजबूती प्रदान क’ रहल छथि।

एहि प्रवासी नागरिक सभक अपन मातृभूमि, अपन भाषा, अपन परंपरा आ सांस्कृतिक आस्था अछि। आस्थाक महापर्व छठ ओहि सांस्कृतिक जड़ि सँ जुड़बाक एकटा अनुपम अवसर थिक।

छठ पर्वक अवसर पर लाखों लोक अपन गाम-घर वापस जाइत छथि। हुनकर यात्रा सुविधाजनक बनय, ताहि लेल भारतीय रेल यथासंभव विशेष रेलगाड़ी चलबैत अछि। ई कोनो एकटा प्रदेश पर कयल गेल उपकार नहि, बल्कि देशक नागरिकक प्रति सार्वजनिक परिवहन व्यवस्थाक दायित्व थिक।

एतबे नहि, छठक सांस्कृतिक महत्ता आ यात्राक दौरान श्रद्धालु सभक भावना प्रति सम्मान प्रकट करबाक लेल रेलवे द्वारा किछु प्रमुख स्टेशन पर छठ गीत अथवा उद्घोषणाक प्रसारण कयल जाइत अछि, तँ एहि मे असाधारण अथवा आपत्तिजनक की अछि? ई त’ सांस्कृतिक संवेदनशीलताक परिचायक अछि, जाहि मे देशक अलग-अलग भाग सँ आयल नागरिकक आस्थाकेँ सम्मान देबाक भावना निहित अछि।

मुदा दुर्भाग्य देखू! छठक किछु गीतक प्रसारण मात्र सँ मुंबईक किछु राजनीतिक तत्वक पेट मे मरोड़ उठय लगैत अछि। संजय राउत सन नेताक आपत्ति आ महाराष्ट्र नवनिर्माण सेना (MNS) सँ जुड़ल तत्व सभक धमकी आखिर कोन मानसिकताक परिचय दैत अछि?

बुझबा सँ बाहर अछि जे छठ गीतक किछु पाँति सँ मराठी अस्मिताक कोन स्तंभ दरकय लगैत अछि? की दोसर भाषाक लोकधुन मराठी संस्कृतिक लेल चुनौती बनि जाइत अछि? ई कोन सोच थिक?

ई ओहि मुंबईक बात थिक, जतय दशकों सँ लाखों पूर्वांचली श्रद्धालु समुद्र तट, पोखरि आ अन्य जलाशय सभक कात अस्ताचलगामी आ उदयगामी सूर्यकेँ अर्घ्य अर्पित करैत आबि रहल छथि। की हुनकर श्रम सँ महानगरक अर्थव्यवस्थाकेँ मजबूती भेटैत रहय, मुदा हुनकर सांस्कृतिक अभिव्यक्तिकेँ सार्वजनिक स्थान पर सम्मान नहि भेटय?

की महानगरक समृद्धि मे अपन योगदान देनिहार नागरिककेँ अपन आस्थाक पर्व मनयबाक लेल सेहो राजनीतिक सहिष्णुताक परीक्षा देबाक पड़तनि?

भारतक संविधान प्रत्येक नागरिककेँ अपन भाषा आ संस्कृतिक संरक्षणक अधिकार दैत अछि। अनुच्छेद 29 सांस्कृतिक आ भाषायी पहिचानक संरक्षणक गारंटी दैत अछि, जखन कि अनुच्छेद 19 अभिव्यक्तिक स्वतंत्रताकेँ संवैधानिक संरक्षण प्रदान करैत अछि। हालांकि ई स्वतंत्रता विधिसम्मत युक्तियुक्त प्रतिबंधक अधीन अछि। एहन स्थिति मे कोनो समुदाय के सांस्कृतिक अभिव्यक्तिकेँ केवल क्षेत्रीय पहिचानक नाम पर धमकी द’ दबेबाक प्रयास लोकतांत्रिक मर्यादा आ संवैधानिक भावना दुनू के विपरीत अछि।

ईहो याद रखबाक चाही जे मुंबई केवल कोनो एक भाषायी अथवा क्षेत्रीय समुदाय के कर्मभूमि नहि अछि। ई देशक हर कोना सँ आयल लोकक पसीना, परिश्रम, प्रतिभा आ उद्यमशीलता सँ बनल महानगर थिक। एकर वास्तविक पहचान एकर बहुलता अछि, कोनो एक समुदाय के सांस्कृतिक वर्चस्व नहि।

राजनीतिक नेतृत्वक उद्देश्य समाजकेँ जोड़ब होयबाक चाही, भाषा आ क्षेत्रक नाम पर नागरिक सभक बीच अविश्वास, वैमनस्य आ भयक वातावरण बनायब नहि। जनप्रतिनिधि सभ सँ अपेक्षा रहैत अछि जे ओ समाजक संवेदनाक प्रतिनिधित्व करथि, नहि कि संकीर्ण राजनीतिक लाभ लेल ओहि संवेदना सभकेँ आपस मे टकराबथि।

प्रश्न संजय राउत अथवा MNS केर राजनीतिक विचारधाराक नहि, बल्कि ओहि खतरनाक मानसिकताक अछि जे अपन पहिचानकेँ ऊँच देखयबाक लेल दोसरक पहिचानकेँ नीचा देखेनाइ जरूरी बुझैत अछि।

संकीर्णताक एहि मानसिकता सँ बाहर निकलू। धमकी, दंभ आ क्षेत्रीय श्रेष्ठताक खोखला उद्घोष सँ ने महाराष्ट्रक गौरव बढ़त, ने मराठी अस्मिता सुरक्षित रहत आ ने भारतीयता मजबूत होयत।

याद राखू, भारतक खूबसूरती एहि बात मे नहि अछि जे सभ एके भाषा बाजथि, एके गीत गावथि अथवा एके परंपराक अनुसरण करथि। भारतक वास्तविक खूबसूरती एहि बात मे अछि जे अलग-अलग भाषा, संस्कृति आ आस्था एक-दोसरक अस्तित्वक सम्मान करैत संग-संग फलैत-फुलाइत रहय।

छठ गीत सँ केकरो अस्मिता आहत नहि होइत अछि; अस्मिता तखन आहत होइत अछि, जखन कोनो नागरिककेँ अपन भाषा, संस्कृति आ आस्थाक सम्मान लेल राजनीतिक धमकीक सामना करय पड़ैत अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *