नई दिल्ली। जी टीवीक लोकप्रिय संगीत रियलिटी शो ‘सा रे गा मा पा 2026’ अपन टैगलाइन ‘हिंदुस्तान का संगीतस्तान’ के सार्थक करैत भारतीय संगीतक विविधता आ प्रतिभाक प्रदर्शन कऽ रहल अछि। एहि सप्ताह शो मे बाल दिवसक विशेष आयोजन संग प्रतियोगिताक एकटा महत्वपूर्ण पड़ाव ‘टॉप-10 : सुरों की जंग’ शुरू होबय जा रहल अछि। एहि विशेष एपिसोड मे प्रतियोगी अपन माता-पिताक संग मंच पर प्रस्तुति देताह।
बाल दिवसक उत्सवक शुरुआत मीर आ हुनकर पिताक विशेष प्रस्तुति सँ होयत। दुनू पहिल बेर एक संग ‘केसरिया बालम’ गीत गाबैत नजरि अयताह। एहि प्रस्तुति मे परिवारक सात पीढ़ी सँ चलि आबि रहल संगीत परंपरा आ एक पीढ़ी सँ दोसर पीढ़ी धरि संगीतक विरासत आगू बढ़ेबाक सुंदर झलक देखय लेल भेटत।
ओतहि शिवानी अपन पिताक संग ‘काहे छेड़े’ गीत पर प्रस्तुति देतिह। हुनकर गायकी सँ प्रभावित भऽ जज जावेद अली कहि उठताह, “ये क्या देख लिया, मुझे तो रोंगटे खड़े हो गए!” एहि खास अवसर पर शिवानीक पिता शंकर महादेवनक संग म्यूजिकल जुगलबंदी सेहो करताह।
बाल दिवसक उत्सव तखन आरो भावुक भऽ जायत, जखन गीत अपन पिताक संग ‘कैसे पहेली जिंदगानी’ गीत पर प्रस्तुति देतिह। एहि दौरान गीतक पिता अपन बेटीके संगीत यात्राक अनुभव साझा करताह आ बतौताह जे एहि यात्रे हुनका एहि मंच धरि अनलक। दोसर दिस, कुमार सानू मिन्हा फातिमा आ हुनकर पिताक संग ‘आज मैं ऊपर’ गीत पर विशेष प्रस्तुति देताह।
टॉप-10 मे सुर आ प्रतिभाक परीक्षा
बाल दिवसक विशेष कार्यक्रमक संग शो आब प्रतियोगिताक निर्णायक चरण मे प्रवेश करत। ‘टॉप-10 : सुरों की जंग’ शुरू होयबाक बाद प्रतियोगी सभक लेल चुनौती बढ़ि जायत। टॉप-10 मे अपन स्थान बनौने रखबाक लेल हुनका सभकेँ अलग-अलग संगीत चुनौतीक सामना करय पड़तनि।
शो केर होस्ट श्रेयस तलपदे ‘सुरों का रिंग’ पर आधारित विशेष कव्वाली चैलेंज प्रस्तुत करताह। एकर संग ‘फेस ऑफ स्पेशल’ केर शुरुआत होयत। एहि चरण मे अतुल आ मीरक बीच ‘छाप तिलक’ गीत पर मुकाबला होयत, जखन कि श्रद्धा आ शिवानी ‘घर मोरे परदेसिया’ पर आमने-सामने रहतिह। ओतहि अयान आ सहजदीप ‘वो शाम कुछ अजीब थी’ गीत पर अपन गायकी सँ एक-दोसराकेँ चुनौती देताह।
दर्शक सेहो बनताह ‘घर का संगीतस्तान’ केर हिस्सा
शो आब केवल टेलीविजन धरि सीमित नहि रहल। दर्शक सभकेँ जोड़बाक लेल ‘घर का संगीतस्तान’ नामक एकटा टेक्नोलॉजी आधारित गेमिंग अनुभव शुरू कयल गेल अछि। एकर माध्यमे दर्शक लाइव शो देखैत-देखैत संगीत संबंधी सवालक जवाब दऽ सकैत छथि।
टीवी स्क्रीन पर देखाओल जायवला क्यूआर कोडकेँ मोबाइल फोन सँ स्कैन कयला पर दर्शक एहि गेम सँ जुड़ि सकैत छथि। गेम मे संगीत संबंधी रोचक जानकारी आ मल्टीपल चॉइस सवाल रहत। प्रत्येक सही जवाब पर खिलाड़ीकेँ अंक भेटतनि आ लीडरबोर्ड पर अपन स्थान बेहतर बनेबाक मौका रहतनि। संगहि, विजेता बनबाक आ इनाम जीतेबाक अवसर सेहो भेटतनि।
एहि तरहें माता-पिता आ बच्चाक संयुक्त प्रस्तुति, सात पीढ़ीक संगीत विरासत, टॉप-10 प्रतियोगीक बीच गायकीक मुकाबला आ इंटरैक्टिव गेमिंग अनुभव मिलि कऽ ‘सा रे गा मा पा 2026’ केर एहि सप्ताहक एपिसोडकेँ खास बनबैत अछि।
दर्शक एहि विशेष एपिसोडकेँ प्रत्येक शनिवार आ रविवार राति 9:30 बजे जी टीवी आ हिंदी ZEE5 पर देखि सकैत छथि।
