इंडिगोक ‘ग्रेट कनेक्शन्स फेस्ट’ शुरू, घरेलू किराया ₹3,999 आ अंतरराष्ट्रीय किराया ₹9,999 सँ

 

नई दिल्ली। IndiGo अपन यात्रीसभ लेल ‘ग्रेट कनेक्शन्स फेस्ट’ केर घोषणा कएने अछि। एहि विशेष ऑफरक तहत घरेलू आ अंतरराष्ट्रीय कनेक्टिंग फ्लाइट पर आकर्षक रियायती किराया उपलब्ध कराओल जा रहल अछि।
ई ऑफर 12 मई 2026 सँ 15 मई 2026 धरि बुकिंग लेल मान्य रहत, जबकि यात्रा 22 मई 2026 सँ 30 सितंबर 2026 केर बीच कएल जा सकत। एहि सेल अंतर्गत ग्राहक घरेलू उड़ान लेल ₹3,999 सँ शुरू होइत ऑल-इनक्लूसिव एकतरफा किराया आ अंतरराष्ट्रीय सेक्टर लेल ₹9,999 सँ शुरू होइत किरायाक लाभ उठा सकैत छथि।
रियायती किरायाक अतिरिक्त इंडिगो किछु चुनिंदा एड-ऑन सेवापर सेहो विशेष छूट दऽ रहल अछि। एहि अंतर्गत फास्ट फॉरवर्ड सेवा ₹250 सँ आ इमरजेंसी XL सीट ₹500 सँ शुरू होइत दर पर उपलब्ध अछि। ई सुविधा चुनिंदा घरेलू आ अंतरराष्ट्रीय सेक्टर पर लागू रहत।
यात्री अपन बुकिंग सहज रूप सँ IndiGo आधिकारिक वेबसाइट, इंडिगो मोबाइल एप, एआई-संचालित सहायक 6Eskai, इंडिगो व्हाट्सऐप सेवा (+91 70651 45858) आ चुनिंदा ट्रैवल पार्टनर वेबसाइट एवं एप्सक माध्यम सँ कऽ सकैत छथि।
कंपनीक अनुसार, सीमित अवधिक ई सेल गर्मीक छुट्टीमे यात्रा योजनाबद्ध करएवला ग्राहकसभ लेल बेहतरीन अवसर अछि। इंडिगो कहलनि जे एहि पहलसँ कंपनी अपन विस्तारित नेटवर्कमे यात्राकें अधिक सुलभ, किफायती आ सहज बनेबाक प्रतिबद्धताकेँ फेर मजबूत कऽ रहल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *