मुंबई। जन्माष्टमीक भक्तिमय माहौलमे हेलो सेतु मीडिया एंड एंटरटेनमेंट द्वारा प्रसिद्ध गायिका साधना सरगमक आवाजमे कृष्ण भजन ‘आन बसो मेरे मन दर्पण में’ रिलीज कएल गेल अछि। भक्ति, संगीत आ आध्यात्मिकताक सुंदर संगम वाला ई भजन भगवान श्रीकृष्णक प्रति भक्तक प्रेम आ समर्पणके भावपूर्ण ढंग सँ प्रस्तुत करैत अछि।
भजनके लऽ कऽ साधना सरगम कहैत छथि, “कृष्ण भक्ति मे एकटा अनोखी मिठास आ आध्यात्मिक शांति अछि। एहि भजनके पूरा श्रद्धा आ सच्चाईक संग गाबयक प्रयास केलहुँ अछि, जाहि सँ श्रोता सेहो एकर आध्यात्मिक अनुभूति सँ जुड़ि सकथि।”
श्याम राज दत्ताक लिखल बोल आ राजिब-मोनाक संगीत सँ सजल ई भजन मनक शुद्धता, ज्ञान, त्याग आ समर्पणक संदेश दैत अछि। भजनमे भक्त भगवान श्रीकृष्ण सँ अपन हृदयमे वास करबाक प्रार्थना करैत अछि आ क्रोध, छल-कपट सहित नकारात्मक भावनासँ मुक्ति पाबयक कामना करैत अछि।
निर्माता कौशल चौधरी कहैत छथि, “ई भजन भगवान श्रीकृष्णक प्रेम, कर्म, धर्म आ ज्ञानक शाश्वत संदेशके खूबसूरती सँ सामने अनैत अछि। साधना सरगम जीक आवाज एहि भजनके विशेष आध्यात्मिक गहराई देने अछि।”
हेलो सेतु प्राइवेट लिमिटेडक बैनर तर बनल एहि भजनक निर्माता कौशल चौधरी, गीतकार श्याम राज दत्ता आ संगीतकार राजिब-मोना छथि।
जन्माष्टमीक अवसर पर रिलीज ई भजन श्रोता सभके भक्ति संग आत्मचिंतन आ मनक शुद्धताक संदेश दैत अछि। साधना सरगमक मधुर आवाजमे कृष्ण भक्तिसँ सराबोर ई भजन श्रोता सभके आध्यात्मिक अनुभूतिक संग भगवान श्रीकृष्णक प्रति प्रेम आ समर्पणक भाव सँ जोड़बाक प्रयास करैत अछि।
