स्टार प्लसक ‘इंडिया के टॉप 1%’: रोजमर्राक चीजमे नुकायल जवाबक खेल, जानू अनिल कपूरक नव गेम शोके पूरा बात

मुंबई। “अरे, ई तऽ हम पहिनहि बुझि गेल छलहुँ!” हमरा सभक जिनगीमे एहन क्षण जरूर अबैत अछि, जखन कोनो बात सामने आबय सँ पहिनेहि ओकर अंदाजा भऽ जाइत अछि। जीत भले छोट हो, मुदा खुशी बहुत पैघ होइत अछि। स्टार प्लसक नव गेम शो ‘इंडिया के टॉप 1%’ एहि एहसास कें एकटा मजेदार खेलक रूपमे दर्शक सभक सामने लऽ कऽ आबि रहल अछि।

अनिल कपूर द्वारा होस्ट कएल जाएत ई नव गेम शो मनोरंजन, सरप्राइज आ रोजमर्राक सोच कें एक संग जोड़ैत अछि। ई गेम ओहि छोट-छोट बात सभ सँ प्रेरित अछि, जेकरा हम अपन दैनिक जीवनमे देखैत, नोटिस करैत आ अनुभव करैत छी।

आब जानू एहि शो सँ जुड़ल खास बात सभ।

खेलक मजा अहाँक सोचबाक तरीका मे अछि

ई गेम रोजमर्राक परिस्थिति, परिचित पैटर्न आ ओहि चीज सभ पर आधारित अछि, जेकरा हम अक्सर नजरअंदाज कऽ दैत छी। कतेको बेर जवाब हमर आँखिक सामने होइत अछि, बस ओकरा देखबाक नजरिया कनी अलग होयबाक चाही।

एहि खेलमे केवल सामान्य ज्ञानक परीक्षा नहि होइत अछि, बल्कि अहाँ कोनो बात कें केना देखैत छी, केना सोचैत छी आ ओकरा सँ केना निष्कर्ष निकालैत छी—ई बात बेसी महत्वपूर्ण होइत अछि।

100 प्रतिभागी, प्रत्येक एपिसोडमे 1 करोड़ रुपया धरि इनाम

प्रत्येक एपिसोडमे कुल 13 राउंड होयत। एहि खेलमे 100 प्रतिभागी कें 1 करोड़ रुपया धरि जीतबाक मौका भेटत।

हर राउंडक संग खेलमे नव ट्विस्ट आबत, जे प्रतियोगिता कें आरो रोमांचक आ चुनौतीपूर्ण बनाओत। प्रतिभागी सभके अपन सोच, समझ आ निर्णय लेबाक क्षमता केर इस्तेमाल करैत आगाँ बढ़य पड़त।

आब अहाँ सेहो खेल सकैत छी

एहि शोके खास बनबैत अछि एकर इंटरैक्टिव अनुभव। जियो हॉटस्टारक Play Along फीचरक माध्यम सँ दर्शक सेहो रियल टाइममे एहि खेलक हिस्सा बनि सकैत छथि।

परिवारक संग शो देखैत होउ, दोस्त सभक संग खेलैत होउ अथवा अकेले अपन दिमाग लगबैत होउ—दर्शक घर बैसले प्रतियोगी सभक संग गेममे शामिल भऽ सकैत छथि आ अपन सोचबाक क्षमता कें आजमा सकैत छथि।

अनिल कपूरक ‘झकास’ अंदाज बनत शोके खास

शोक जान अनिल कपूर छथि। हुनकर एनर्जेटिक मौजूदगी, खास ह्यूमर, चार्म आ हमेशा जकाँ शानदार अंदाज प्रत्येक एपिसोडमे उत्साह आ रोमांच भरत।

प्रतियोगी सभक जवाब, गेमक ट्विस्ट आ अनिल कपूरक मजेदार अंदाज—ई सभ मिलि कऽ शोके दर्शक लेल मनोरंजनक एकटा नव अनुभव बना सकैत अछि।

‘इंडिया के टॉप 1%’ जल्दे स्टार प्लस आ जियो हॉटस्टार पर आबि रहल अछि। तैयार रहू, कारण एहि बेर सवालक जवाब देबाक संग-संग अहाँके अपन सोचबाक तरीका पर सेहो भरोसा करय पड़त!

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *