दिल्ली। भारतक प्रमुख घरेलू स्मार्टफोन ब्रांड लावा इंटरनेशनल लिमिटेड अपन नव विराट कर्व 5G स्मार्टफोनक बिक्री शुरू क’ देलक अछि। ई फोन आइ साँझ 7 बजे सँ फ्लिपकार्ट पर खरीद लेल उपलब्ध होएत। बैंकक सभ ऑफर शामिल कएलाक बाद फोनक शुरुआती कीमत 19,999 टाका राखल गेल अछि।
विराट कर्व 5G मे 6.67 इंचक FHD+ 3D कर्व्ड AMOLED डिस्प्ले देल गेल अछि, जे 120Hz रिफ्रेश रेट आ 1100 निट्स पीक ब्राइटनेस सपोर्ट करैत अछि। फोनमे MediaTek Dimensity 7100 प्रोसेसर, प्रीमियम वीगन लेदर फिनिश, रियर मिनी स्क्रीन, Vayu AI आ 50MP Sony IMX752 प्राइमरी रियर कैमरा देल गेल अछि। कैमरा EIS सपोर्ट करैत अछि।
फोनमे 6000mAh बैटरी आ 45W फास्ट चार्जिंगक सपोर्ट अछि। एकर संग बॉक्समे 33W चार्जर देल जाइत अछि। फोनकेँ MIL-STD-810H मिलिट्री-ग्रेड सर्टिफिकेशन सेहो प्राप्त अछि।
विराट कर्व 5G तीन रंग—हेरिटेज इंडिगो, मकराना आइवरी आ एलोरा स्लेट—मे उपलब्ध अछि। ई Android 16 पर चलैत अछि आ कंपनीक अनुसार फोनमे कोनो ब्लोटवेयर वा विज्ञापन नहि अछि। कंपनी फोन लेल 2 सालक OS अपग्रेड आ 3 सालक सिक्योरिटी अपडेट देबाक घोषणा केने अछि।
कीमत आ लॉन्च ऑफर
6GB RAM + 128GB स्टोरेज
- एमआरपी: 23,999 टाका
- स्पेशल लॉन्च ऑफर: 19,999 टाका*
- *सभ बैंक ऑफर शामिल अछि।
प्रमुख फीचर
- डिस्प्ले: 6.67 इंच FHD+ 3D कर्व्ड AMOLED, 120Hz रिफ्रेश रेट
- प्रोसेसर: 2.4GHz MediaTek Dimensity 7100, 6nm
- AI: Vayu AI
- रियर मिनी स्क्रीन: नोटिफिकेशन आ अन्य सुविधाक लेल मल्टीफंक्शनल डिस्प्ले पैनल
- बैटरी: 6000mAh, 45W फास्ट चार्जिंग
- RAM/स्टोरेज: 6GB LPDDR5 RAM + 6GB तक वर्चुअल RAM, 128GB ROM
- रियर कैमरा: 50MP Sony IMX752 सेंसर, EIS सपोर्ट
- फ्रंट कैमरा: 13MP, स्क्रीन फ्लैशक संग
- ड्यूरेबिलिटी: IronGuard Protection, Al-Si DT Star 2 कवर ग्लास आ मिलिट्री-ग्रेड सर्टिफिकेशन
- ऑडियो: डुअल स्टीरियो स्पीकर आ डुअल माइक नॉइज कैंसिलेशन
- वजन: 184 ग्राम
- ऑपरेटिंग सिस्टम: Android 16, बिना ब्लोटवेयर आ विज्ञापनक
- फिनिश: प्रीमियम वीगन लेदर बैक / प्रीमियम 3D PMMA बैक
- वारंटी: हैंडसेट पर 1 सालक रिप्लेसमेंट वारंटी आ एक्सेसरीज पर 6 महिनाक वारंटी
