दरभंगामे जिला विधिक सेवा प्राधिकारक विशेष बैठक, विचाराधीन बंदी आ पीड़ित प्रतिकर मामलाक समीक्षा

दरभंगा। दरभंगाक प्रधान जिला एवं सत्र न्यायाधीश सह जिला विधिक सेवा प्राधिकारक अध्यक्ष श्री अजय कुमार शर्माक अध्यक्षतामे प्राधिकारक सदस्य, अंडर ट्रायल रिव्यू कमेटी आ आपराधिक क्षति मुआवजा बोर्डक संग एक विशेष बैठक आयोजित कएल गेल।

बैठकमे चयनित विचाराधीन कैदीसभक जमानत लेल एखन धरि कएल गेल कार्यक विस्तृत समीक्षा कएल गेल। समीक्षा उपरांत रिव्यू कमेटी शमनीय मुकदमाक आरोपी, महिला बंदी आ सत्तर वर्ष सँ अधिक आयुवर्गक बंदीसभक मामलामे फेर सँ विधिक सेवा उपलब्ध कराबयक अनुशंसा केलक।

बैठकक दौरान अपराध सँ पीड़ित व्यक्ति अथवा हुनकर आश्रितसभकेँ प्रतिकर उपलब्ध कराबय संबंधी मामलाक सेहो समीक्षा भेल। एहि अवसर पर प्रधान जिला एवं सत्र न्यायाधीश श्री अजय कुमार शर्मा संबंधित पदाधिकारीसभकेँ त्वरित कार्रवाई करबाक निर्देश देलनि।

हुनका कहब छल जे प्रतिकर संबंधी मामलामे पीड़ितसभकेँ अविलंब राहत पहुँचाबैत पुनर्वास लेल शीघ्र वित्तीय सहायता उपलब्ध कराओल जाए, जाहिसँ पीड़ित परिवार समय पर सहायता प्राप्त कऽ सकए।

बैठकमे राष्ट्रीय विधिक सेवा प्राधिकरण (NALSA) केर “सामुदायिक मध्यस्थता अभियान” अंतर्गत “विवाद मुक्त गाम” बनेबाक योजना पर सेहो विचार-विमर्श भेल। एहि लेल पांचटा गाम चिन्हित करबाक प्रस्ताव पर चर्चा कएल गेल। चयनित गामसभमे सामुदायिक मध्यस्थताक माध्यम सँ छोट-छोट विवाद स्थानीय स्तर पर सुलझा कऽ ओहि गामकेँ विवादमुक्त घोषित करबाक योजना अछि।

एहि क्रममे आगामी 12 सितंबर केँ आयोजित होमय बला राष्ट्रीय लोक अदालत केँ सफल बनाबय लेल सेहो रणनीति तय कएल गेल। प्रधान जिला एवं सत्र न्यायाधीश विद्युत विभाग, ट्रैफिक चालान सहित अन्य वादसभकेँ वृहद स्तर पर चिन्हित करबाक आ संबंधित पक्षकारसभकेँ समय पर सूचना देबाक निर्देश देलनि, जाहिसँ अधिक सँ अधिक मामलाक निष्पादन सुनिश्चित कएल जा सकए।

बैठकमे जिलाधिकारी सह उपाध्यक्ष जिला विधिक सेवा प्राधिकार श्री कौशल कुमार, वरीय पुलिस अधीक्षक सह सदस्य जिला विधिक सेवा प्राधिकार श्री जगुनाथ रेड्डी जला रेड्डी, सचिव आरती कुमारी, अधिवक्ता संघक अध्यक्ष श्री चंद्रधर मल्लिक, सरकारी अधिवक्ता मिहिर कुमार झा, लोक अभियोजक अमरेंद्र नारायण झा, मंडल कारा अधीक्षक स्नेहलता, बेनीपुर उपकारा अधीक्षक विरेंद्र कुमार राय, अधिवक्ता सदस्य श्री सुशील कुमार पासवान, समाजसेवी सदस्य श्री मनमोहन कृष्ण सरावगी, सिविल सर्जन डॉ. अरुण कुमार सहित नगर निगम, विद्युत विभाग आ परिवहन विभागक पदाधिकारीसभ उपस्थित छलाह।

बैठकमे विधिक सहायता, पीड़ित पुनर्वास आ विवाद निपटाराक प्रक्रिया केँ आर प्रभावी बनाबय पर विशेष जोर देल गेल।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *