भोपाल। वरिष्ठ पत्रकार आ राजनीतिक विश्लेषक कृष्णमोहन झा मध्यप्रदेशक मुख्यमंत्री डॉ. मोहन यादव सँ हुनकर सरकारी आवास कार्यालयमे शिष्टाचार भेंट कयलनि।
भेंटक दौरान दुनू गोटेमे मध्यप्रदेश सँ जुड़ल समसामयिक विषय, सुशासन, लोकहित आ जनसरोकारक विभिन्न मुद्दापर विस्तारसँ विचार-विमर्श भेल। एहि अवसर पर सामाजिक, राजनीतिक आ बौद्धिक विषयसभ पर सेहो विचारक आदान-प्रदान कएल गेल।
कृष्णमोहन झा मुख्यमंत्रीकेँ अपन शीघ्र प्रकाशित होमऽ वला दूटा पुस्तक “डॉ. मोहन भागवत : संदेश” आ “त्रिजटा” केर संबंधमे जानकारी देलनि। एहि संग पुस्तकसभक अंतिम रूप, प्रकाशन प्रक्रिया आ विशेष रूपसँ “डॉ. मोहन भागवत : संदेश” केर प्रस्तावित लोकार्पण कार्यक्रम पर सेहो चर्चा भेल।
उल्लेखनीय अछि जे “डॉ. मोहन भागवत : संदेश” पुस्तकक भूमिका स्वयं मुख्यमंत्री डॉ. मोहन यादव लिखने छथि। एहि अवसर पर श्री झा मुख्यमंत्रीक प्रति पुस्तकक भूमिका लिखबाक लेल हार्दिक आभार व्यक्त कएलनि आ हुनक सहयोगक सराहना कएलनि।
भेंट सौहार्दपूर्ण वातावरणमे सम्पन्न भेल, जतऽ दुनू गोटे जनहितक विषयसभ पर सार्थक संवाद, बौद्धिक विमर्श आ समाजक हितमे सकारात्मक विचार-विनिमयक आवश्यकतापर बल देलनि।
