
मुंबई। देश के सबसे बड़ा जीवन बीमा कंपनी Life Insurance Corporation of India (एलआईसी) अपन डिजिटल परिवर्तन के दिशा में एक महत्वपूर्ण कदम उठबैत ‘माय एलआईसी’ (कस्टमर ऐप) आ ‘सुपर सेल्स साथी’ (इंटरमीडियरी ऐप) लॉन्च कएलक।
15 अप्रैल 2026 के मुंबई में आयोजित कार्यक्रम में M. Nagaraju, सचिव, वित्तीय सेवा विभाग, एहि आधुनिक ऐप्स के उद्घाटन कएलनि। एहि अवसर पर एलआईसी के सीईओ आ एमडी R. Doraiswamy सहित वरिष्ठ प्रबंधन उपस्थित छल।
‘माय एलआईसी’ ऐप पॉलिसीधारक के लेल एकीकृत प्लेटफॉर्म उपलब्ध कराबैत अछि, जाहि में बीमा पॉलिसी प्रबंधन, प्रीमियम भुगतान, रियल-टाइम लाभ ट्रैकिंग, पेपरलेस लोन आ ई-केवाईसी जेकाँ सुविधा शामिल अछि।
ओही तरह ‘सुपर सेल्स साथी’ ऐप एजेंट आ मार्केटिंग कर्मी लेल डिजिटल सेल्स टूल्स, रियल-टाइम ट्रैकिंग, एआई आधारित सुझाव आ परफॉर्मेंस डैशबोर्ड जेकाँ सुविधा सँ लैस अछि।
एहि अवसर पर एम. नागराजू कहलनि जे एलआईसी के डिजिटल इकोसिस्टम आब केवल सेवा तक सीमित नहि रहल, बल्कि ई एक मजबूत वितरण आ एंगेजमेंट प्लेटफॉर्म बनि रहल अछि।
वहीं आर. दुरईस्वामी कहलनि जे ई ऐप्स केवल सपोर्ट टूल नहि, बल्कि ग्राहक अनुभव आ एजेंट के कार्यक्षमता के बेहतर बनाए वाला रणनीतिक संसाधन अछि।
डाइव प्लेटफॉर्म पर आधारित ई दुनू ऐप्स एलआईसी के डिजिटल-फर्स्ट विजन के मजबूत करैत ग्राहक, एजेंट आ कर्मचारी सभ के लेल एक सहज, सुरक्षित आ स्मार्ट बीमा अनुभव सुनिश्चित करैत अछि।