
भारतीय वायुसेनाक प्रतिष्ठित ‘फाइटर कॉम्बैट लीडर (एफसीएल)’ कोर्स सफलतापूर्वक पूरा कए स्क्वाड्रन लीडर भावना कंठ बनली भारतक पहिल महिला ‘टॉप गन’।
दरभंगा। मिथिलाक बेटी आ भारतीय वायुसेना केर स्क्वाड्रन लीडर भावना कंठ फेर एक बेर इतिहास रचि देलनि अछि। भारतीय वायुसेनाक प्रतिष्ठित ‘फाइटर कॉम्बैट लीडर (एफसीएल)’ कोर्स सफलतापूर्वक पूरा कए ओ भारतक पहिल महिला ‘टॉप गन’ बनि गेल छथि। ई उपलब्धि भारतीय वायुसेनामे महिला फाइटर पायलट सभक लेल एकटा नव मीलक पत्थर मानल जा रहल अछि।
वर्ष २०१६ मे भावना कंठ भारतीय वायुसेनाक पहिल महिला फाइटर पायलट सभक टोलीमे शामिल भेली। वर्ष २०१९ मे ओ मिग-२१ बाइसन उड़ाबय लेल पूर्ण रूपेण कॉम्बैट रेडी घोषित होएब वाली भारतक पहिल महिला फाइटर पायलट बनली। आब एफसीएल कोर्स पूरा कए प्रतिष्ठित ‘टॉप गन’ केर पहचान हासिल कए हुनका अपन उपलब्धिक सूचीमे एक आरो स्वर्णिम अध्याय जोड़ि देलनि।
भावना कंठक ई सफलता केवल मिथिलाक नहि, बल्कि सम्पूर्ण देशक बेटीसभ लेल प्रेरणाक प्रतीक अछि। हुनकर उपलब्धि ई साबित करैत अछि जे लगन, परिश्रम आ आत्मविश्वास सँ कोनो लक्ष्य दूर नहि रहैत अछि।
भावना कंठक जन्म १ दिसम्बर १९९२ केँ बिहारक दरभंगा जिला मे भेल छल। हुनकर पिता तेज नारायण कंठ इंडियन ऑयल कॉर्पोरेशनमे इलेक्ट्रिकल इंजीनियर छथि, जखनकि माता राधा कंठ गृहिणी छथि। हुनकर प्रारम्भिक शिक्षा डीएवी पब्लिक स्कूल, बरौनी सँ भेल। बादमे बीएमएस कॉलेज ऑफ इंजीनियरिंग, बेंगलुरु सँ पढ़ाइ पूरा कए ओ टीसीएस मे इंजीनियरक रूपमे काज केलनि। मुदा देशसेवाक सपना हुनका भारतीय वायुसेना धरि आनलक।