भाजपाक टिकट पर चुनाव लड़ब हमर सभसँ पैघ भूल छल : किरण बेदी

कानपुर। देशक पहिल महिला आईपीएस अधिकारी आ पुडुचेरीक पूर्व उपराज्यपाल डॉ. किरण बेदी राजनीति मे अपन अनुभवक संबंधमे पैघ बयान देने छथि। कानपुर मे आयोजित एकटा कार्यक्रमक दौरान हुनकर कहब छल जे भारतीय जनता पार्टी (भाजपा) क टिकट पर चुनाव लड़ब हुनकर जीवनक एकटा पैघ भूल छल, आ अवसर भेटला पर ओ एहन गलती फेर कखनो नहि दोहराएती।

रोटरी क्लब ऑफ कानपुर ग्रेटरक 31म अधिष्ठापन समारोहमे मुख्य अतिथिक रूपमे सहभागी डॉ. बेदी कहलनि, “मनुष्य अपन पुरान गलतीसँ सीखैत अछि। भाजपाक टिकट पर चुनाव लड़ब हमर एहन भूल छल, जाहि केँ हम फेर कखनो नहि दोहराएब। हमरा राजनीति मे आबिये नहि चाही छल।”

डॉ. किरण बेदीक ई बयान राजनीतिक गलियारामे चर्चाक विषय बनि गेल अछि। ओ अपन राजनीतिक यात्रा पर आत्ममंथन करैत स्वीकार कयलनि जे चुनावी राजनीति मे प्रवेश करबाक निर्णय हुनक लेल उचित नहि रहल।

कार्यक्रमक दौरान जखन हुनका समसामयिक राजनीतिक मुद्दा, जाहिमे कॉकरोच जनता पार्टी (CJP)सोनम वांगचुकक आंदोलनसँ जुड़ल प्रश्न पूछल गेल, तऽ ओ टिप्पणी करए सँ इनकार कयलनि। हुनकर कहब छल, “हम एहि विषयसभकेँ नियमित रूपसँ फॉलो नहि करैत छी, तेँ एहि पर टिप्पणी करब उचित नहि बुझैत छी।”

उल्लेखनीय अछि जे डॉ. किरण बेदी वर्ष 2015 मे भाजपा क टिकट पर दिल्ली विधानसभा चुनाव लड़ने रहथि। बादमे हुनका पुडुचेरीक उपराज्यपाल नियुक्त कएल गेल छल। आब राजनीति मे प्रवेशकेँ लऽ कएल गेल हुनकर ई बयान फेर एक बेर राजनीतिक हलकामे चर्चाक विषय बनि गेल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *