NEET आ राम मंदिर विवाद पर हंगामा, मानसून सत्रक पहिल दिन नहि चलि सकल संसद

नई दिल्ली। संसदक मानसून सत्रक पहिल दिन NEET-UG 2026 पेपर लीकश्रीराम जन्मभूमि तीर्थ क्षेत्र ट्रस्टमे कथित अनियमितताक मुद्दा पर विपक्षक जोरदार हंगामाक कारण लोकसभा आ राज्यसभा दुनू सदनक कार्यवाही बाधित रहल। लगातार विरोधक कारण दुनू सदनक कार्यवाही स्थगित कऽ देल गेल। आब संसदक कार्यवाही 21 जुलाईक पूर्वाह्न 11 बजे फेर शुरू होएत। ई मानसून सत्र 13 अगस्त धरि चलत आ एकर दौरान अनेक राजनीतिक रूप सँ महत्वपूर्ण मुद्दा पर तीखी बहस होएबाक संभावना अछि।

लोकसभामे कार्यवाही शुरू होइतहि विपक्षी सदस्य सभ नारेबाजी करए लगलाह। एहि बीच केंद्रीय कानून मंत्री अर्जुन राम मेघवाल ‘सुप्रीम कोर्ट (न्यायाधीशक संख्या) संशोधन विधेयक, 2026’ सदनमे प्रस्तुत कएलनि। एहि विधेयकक उद्देश्य सुप्रीम कोर्टमे न्यायाधीशक स्वीकृत संख्या 33 सँ बढ़ाकऽ 37 करब अछि। ई प्रस्ताव पूर्वमे जारी अध्यादेशक स्थान लेत। मुदा लगातार हंगामाक कारण प्रश्नकाल आ शून्यकाल नहि चलि सकल।

राज्यसभामे सरकार ‘राष्ट्रीय सम्मानक अपमान रोकथाम (संशोधन) विधेयक, 2026’ पेश करबाक तैयारीमे अछि। प्रस्तावित संशोधनक अनुसार ‘वंदे मातरम्’ राष्ट्रीय गीतमे बाधा उत्पन्न करब अथवा ओकर अपमान करब अपराध मानल जाएत।

दोसर दिस विपक्ष स्पष्ट संकेत देलक जे ओ पूरा सत्रक दौरान NEET-UG 2026 पेपर लीक, श्रीराम जन्मभूमि तीर्थ क्षेत्र ट्रस्टमे कथित अनियमितता आ अन्य जनहितक मुद्दासभ पर चर्चा करबाक मांग लगातार उठबैत रहत।

एहि बीच राज्यसभाक सभापति सी. पी. राधाकृष्णन उच्च सदनक नौ नव-निर्वाचित सदस्यसभकेँ शपथ दिलौलनि। शपथ लेनिहार सदस्य गुजरात, कर्नाटक, मध्य प्रदेश, मेघालय, मिजोरम, राजस्थान आ पश्चिम बंगालसँ छथि। एहि मे गुजरातसँ भाजपा सांसद मुकेशभाई जे. राठवा, कर्नाटकसँ कांग्रेस नेता पवन खेड़ा, मध्य प्रदेशसँ भाजपा सांसद महेश केवट, मेघालयसँ एनपीपीक जेम्स पांगसांग कोंगकल संगमा, मिजोरमसँ खियांग्टे लालत्लुआंगकीमा, राजस्थानसँ भाजपा नेता सतीश पूनिया, पश्चिम बंगालसँ भाजपा सांसद प्रकाश चिक बड़ाइक, आ तृणमूल कांग्रेसक सुष्मिता देव तथा सुखेंदु शेखर राय शामिल छथि।

मानसून सत्रक पहिल दिनक हंगामा सँ स्पष्ट संकेत भेटल अछि जे आगामी दिनसभमे संसदमे सरकार आ विपक्षक बीच विभिन्न मुद्दासभ पर राजनीतिक टकराव आ तीखी बहस जारी रहबाक संभावना अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *