350 सँ बेसी किसान भेलाह सहभागी, वैज्ञानिक खेती, ड्रिप सिंचाई आ आधुनिक तकनीक पर देल गेल प्रशिक्षण
कोडिनार (गुजरात)। इंडियन पोटाश लिमिटेड (आईपीएल) गुजरातक कोडिनार क्षेत्रमे टिकाऊ ऊख (गन्ना) खेतीकेँ बढ़ावा देबाक आ किसानक उत्पादकता बढ़ेबाक उद्देश्यसँ एक व्यापक अभियानक शुरुआत कएलक। एहि क्रममे आईपीएलक कोडिनार शुगर यूनिट द्वारा आयोजित किसान कार्यशालामे 350 सँ बेसी प्रगतिशील किसान, कृषि वैज्ञानिक, तकनीकी विशेषज्ञ आ उद्योगसँ जुड़ल प्रतिनिधि सहभागी भेलाह।
“टिकाऊ ऊख खेती पर किसान कार्यशाला” केर मुख्य उद्देश्य किसानसभकेँ वैज्ञानिक खेती, आधुनिक फसल प्रबंधन आ जल-बचत तकनीकक जानकारी दऽ ऊख उत्पादन आ मुनाफामे वृद्धि करब छल।
कार्यक्रमक उद्घाटन इंडियन पोटाश लिमिटेड केर मुख्य कृषि वैज्ञानिक डॉ. यू.एस. तेवतिया, कोडिनार शुगर यूनिटक प्रमुख यश सोलंकी, तलाला शुगर यूनिटक प्रमुख योगेश राठी, कोडिनार नगरपालिका केर उपाध्यक्ष शिवाभाई सोलंकी आ बिलेश्वर खांड उद्योग मंडली केर अध्यक्ष पी.एस. डोडिया द्वारा कएल गेल।
’10 Ts’ आ ‘6Rs’ मॉडलसँ बढ़त उत्पादन
कार्यक्रमकेँ संबोधित करैत डॉ. यू.एस. तेवतिया आईपीएलक दीर्घकालिक किसान-केंद्रित योजना पर प्रकाश देलनि। ओ “10 Ts of Sugarcane Excellence” आ “6Rs of Nutrient Management” केर वैज्ञानिक मॉडल प्रस्तुत कएलनि, जाहिमे खेतक तैयारी, उन्नत बीज चयन, संतुलित पोषण, खर-पतवार नियंत्रण, समय पर खेतीक कार्य आ जलक कुशल उपयोग पर विशेष जोर देल गेल।
ओ कहलनि जे एहि समेकित मॉडलसँ ऊख उत्पादन, चीनी रिकवरी आ जलवायु-अनुकूल खेतीकेँ बढ़ावा भेटत। संगहि आईपीएलक केन डेवलपमेंट प्रोग्राम अन्तर्गत किसान परामर्श, प्रशिक्षण, प्रदर्शन प्लॉट आ क्षेत्रीय विकास योजनाक विस्तारक जानकारी सेहो देलनि।
डॉ. तेवतिया कहलनि, “हमर मूल मंत्र अछि—’अहाँक समृद्धिये हमर खुशी अछि।'”
ड्रिप सिंचाईसँ 60 प्रतिशत धरि बचत संभव
जैन इरिगेशन सिस्टम्स लिमिटेड केर गुजरात राज्य प्रमुख गिरधर लोह किसानसभकेँ ड्रिप सिंचाई आ चौड़ा कतारमे खेतीक लाभ बुझेलनि। हुनकर अनुसार, ड्रिप सिंचाई अपनाबएसँ 40-60 प्रतिशत धरि पानिक बचत, 20-40 प्रतिशत बेसी उत्पादन, खादक बेहतर उपयोग, मजबूत जड़ विकास आ मजदूरी, बिजली तथा कीट नियंत्रणक खर्चमे कमी आबि सकैत अछि।
ओ जानकारी देलनि जे आईपीएल आ जैन इरिगेशन मिलिकऽ “More Crop Per Drop” सिद्धांत पर आधारित आधुनिक सिंचाई समाधान, वैज्ञानिक परामर्श आ गुणवत्तापूर्ण कृषि सेवासँ किसानसभकेँ जोड़ि रहल अछि।
मिट्टी आ पानी संरक्षण पर विशेष जोर
यूपीएल सस्टेनेबल एग्री सॉल्यूशंस लिमिटेड केर सस्टेनेबिलिटी प्रमुख हर्षल सोनावणे कहलनि जे आईपीएल शुगर्स आ यूपीएल एसएएस केर साझेदारीसँ किसानसभकेँ बीज उपचार, संतुलित पोषण, मृदा स्वास्थ्य प्रबंधन आ जल संरक्षणक वैज्ञानिक उपाय उपलब्ध कराओल जाएत।
हुनका द्वारा ZEBA® Super Absorbent Technology केर जानकारी सेहो देल गेल, जे माटिमे नमी बनौने राखैत अछि, पानिक उपयोग दक्षता बढ़बैत अछि आ बदलैत जलवायुमे टिकाऊ खेतीकेँ सहयोग करैत अछि।
किसानसभ रखलनि अपन समस्या
संवाद सत्रमे किसानसभ छोट ट्रैक्टर, ट्रेंच ओपनर, स्प्रेयर जेकाँ आधुनिक कृषि यंत्र सस्ती दर पर उपलब्ध कराबए, जंगली सूअर सँ फसल सुरक्षा आ बेहतर ऊख बीज उपलब्ध कराबएक मांग रखलनि।
एहि पर डॉ. तेवतिया आश्वासन देलनि जे आईपीएल किसानसभकेँ किफायती दर पर कृषि यंत्र उपलब्ध कराबए, सोलर फेंसिंग लेल सरकारी सहायता दिलाबए आ उन्नत ऊख बीज उपलब्ध कराबए लेल प्रतिबद्ध अछि।
किसान कल्याणक प्रति आईपीएलक प्रतिबद्धता
कार्यक्रमक समापन कोडिनार शुगर यूनिटक प्रमुख यश सोलंकी धन्यवाद ज्ञापनक संग कएलनि। एहि अवसर पर इंडियन पोटाश लिमिटेड (आईपीएल) शुगर्स, यूपीएल सस्टेनेबल एग्री सॉल्यूशंस, जैन इरिगेशन सिस्टम्स लिमिटेड आ ऊख क्षेत्रसँ जुड़ल अनेक विशेषज्ञ उपस्थित छलाह।
आईपीएलक अनुसार, एहि प्रकारक पहलसँ कोडिनार क्षेत्रमे किसानक आय बढ़त, टिकाऊ खेतीकेँ बढ़ावा भेटत आ ऊख उद्योगक दीर्घकालिक विकास सुनिश्चित होयत।
