
नई दिल्ली। निर्देशक नीतीश तिवारी केर बहुप्रतीक्षित फिल्म ‘रामायण’ केर भव्य ट्रेलर लॉन्च नई दिल्लीक भारत मंडपम मे आयोजित भेल। भारतीय महाकाव्य रामायण पर आधारित ई मेगा बजट फिल्मक भारतीय सिनेमा केर सभसँ पैघ आ महत्वाकांक्षी परियोजनामे सँ एक मानल जा रहल अछि।
ट्रेलर लॉन्च कार्यक्रममे प्रसिद्ध कवि डॉ. कुमार विश्वास सहित फिल्मक प्रमुख कलाकार उपस्थित छलाह। फिल्ममे रणबीर कपूर भगवान श्रीराम, साई पल्लवी माता सीता, सनी देओल श्रीहनुमान, यश रावण, रकुल प्रीत सिंह शूर्पणखा आ रवि दुबे लक्ष्मण केर भूमिका निभाबैत नजर एताह।
कार्यक्रमक दौरान फिल्मक भव्य दृश्य, विशाल सेट आ अत्याधुनिक तकनीकक झलक देखायल गेल। निर्माता सभक दावा अछि जे ई फिल्म रामायण केर अमर गाथाकेँ भव्यता, भावनात्मक गहराई आ आधुनिक विजुअल इफेक्ट्सक संग पैघ पर्दा पर जीवंत करएत। संगहि भारतीय संस्कृति आ आध्यात्मिक विरासतकेँ वैश्विक मंच पर पहुँचेबाक प्रयास सेहो एहि फिल्मक प्रमुख विशेषता अछि।
फिल्मक विशाल स्टार कास्ट, उच्चस्तरीय निर्माण आ तकनीकी गुणवत्ता देखैत एकरा भारतीय सिनेमा केर आब धरिक सभसँ महत्वाकांक्षी परियोजनामे गिनल जा रहल अछि। ट्रेलर लॉन्चक बाद दर्शक सभमे फिल्म प्रति उत्साह आ प्रतीक्षा आर बढ़ि गेल अछि।
निर्माता सभक अनुसार, ‘रामायण’ एहि वर्ष दीपावलीक अवसर पर सिनेमाघरमे रिलीज होयत। एकरा केवल भारते नहि, बल्कि दुनियाभरक दर्शक सभ धरि पहुँचाबय लेल विशेष तैयारी कएल जा रहल अछि।