एक्सेलिक्स संग सौंदर्य आ स्किनकेयर सेवामे डिजिटल क्रांति, प्रमाणित विशेषज्ञसभ तक पहुँच आब भेल आसान

मुंबई  स्किन, हेयर आ एस्थेटिक (सौंदर्य) उपचार लेल योग्य आ प्रमाणित विशेषज्ञ डॉक्टर खोजब आब बहुत आसान होए जा रहल अछि। मुंबई स्थित आकार मेडिकल टेक्नोलॉजीज लिमिटेड भारतक पहिल डिजिटल प्लेटफॉर्म XELIX (एक्सेलिक्स) लॉन्च कएलक अछि, जे मरीजसभकेँ देशभरिक प्रमाणित डर्मेटोलॉजिस्ट, ट्राइकोलॉजिस्ट, प्लास्टिक सर्जनएस्थेटिक विशेषज्ञ सँ जोड़ैत अछि।

एहि प्लेटफॉर्मक माध्यमसँ मरीज अपन शहरमे योग्य डॉक्टर खोजि सकैत छथि आ ऑनलाइन सुविधा संग अपॉइंटमेंट सेहो बुक कऽ सकैत छथि।

प्रसिद्ध डर्मेटोलॉजिस्ट डॉ. विजय नागदेव कहलनि, “एस्थेटिक प्रक्रिया चिकित्सा उपचारक हिस्सा अछि, एहिलेल एकरा सदिखन प्रशिक्षित आ योग्य डॉक्टर द्वारा कराओल जाएबाक चाही। XELIX मरीजसभकेँ प्रमाणित विशेषज्ञ तक पहुँच बनाबयमे मदद करत, जाहिसँ ओ सुरक्षित आ वैज्ञानिक आधार पर उपचार प्राप्त कऽ सकताह।”

आकार मेडिकल टेक्नोलॉजीजमुख्य कार्यकारी पदाधिकारी (CEO) आ निदेशक डॉ. राहुल सवाखंडे कहलनि, “XELIX केवल मरीजसभ लेल प्लेटफॉर्म नहि अछि, बल्कि डर्मेटोलॉजिस्टसभ लेल सेहो एकटा मजबूत डिजिटल नेटवर्क अछि, जे आधुनिक तकनीक, व्यावसायिक प्रशिक्षण आ बेसी दृश्यता (Visibility) उपलब्ध करबैत अछि।”

प्लास्टिक सर्जन डॉ. वी. एस. राठौड़ कहलनि, “एस्थेटिक उपचारक मांग तेजी सँ बढ़ि रहल अछि, मुदा सही डॉक्टर चुनब बहुत चुनौतीपूर्ण होइत अछि। सोशल मीडिया आ भ्रामक विज्ञापनक कारण लोक अक्सर भ्रमित भऽ जाइत छथि। XELIX एहि अंतरकेँ दूर करैत अछि आ मरीजसभकेँ भरोसेमंद, योग्य डर्मेटोलॉजिस्ट, प्लास्टिक सर्जन आ एस्थेटिक मेडिसिन विशेषज्ञसँ जोड़ैत अछि।”

XELIXक शुरुआत भारतमे स्किनकेयर आ एस्थेटिक हेल्थकेयर क्षेत्रकेँ डिजिटल रूप सँ मजबूत बनेबाक दिशा मे एकटा महत्वपूर्ण कदम मानल जा रहल अछि। एहि प्लेटफॉर्मसँ मरीजसभकेँ सुरक्षित, विश्वसनीय आ विशेषज्ञ चिकित्सकीय सेवा प्राप्त करबमे काफी सुविधा भेटत।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *