मुंबई । अमेरिकाक लुइसियाना राज्यसँ शुरू भेल प्रसिद्ध फ्राइड चिकेन ब्रांड ‘पोपाइज’ मुंबईमे अपन पहिल सफल वर्ष पूरा कऽ ग्राहकसभक जबरदस्त समर्थनक जश्न मनौलक। मात्र एक वर्षक भीतर मुंबईक फूड प्रेमीसभक बीच अपन खास पहचान बनेनिहार ई ब्रांड आब पश्चिम भारतमे अपन रेस्टोरेंटक संख्या दोगुना करबाक महत्वाकांक्षी योजना घोषित कएलक अछि।
पहिल वर्षगाँठक अवसर पर कंपनी अपन ग्राहकसभ लेल विशेष उपहार सेहो देने अछि। 24 जुलाई सँ 16 अगस्त धरि चलएवला विशेष एनिवर्सरी ऑफरक अंतर्गत चुनल आउटलेटसभ पर ग्राहक मात्र 399 रुपैया मे 14 पीस पोपाइज चिकेनक स्वाद लऽ सकताह।
पोपाइज इंडियाक ईवीपी आ मुख्य व्यवसाय पदाधिकारी (Chief Business Officer) विभोर गुप्ता कहलनि जे मुंबई भारतमे ब्रांडक सफलता लेल मजबूत आधार तैयार केने अछि। हुनकर कहब छल जे एतयक ग्राहकसभक विश्वास आ उत्साहे कंपनीकेँ नव निवेश आ विस्तार दिस आगाँ बढ़बाक प्रेरणा दैत अछि।
ई विशेष ऑफर छत्रपति शिवाजी महाराज अंतरराष्ट्रीय हवाई अड्डा (टर्मिनल-2), फीनिक्स मार्केटसिटी कुर्ला, विवियाना मॉल ठाणे, इनऑर्बिट मॉल वाशी, द कैपिटल मॉल नालासोपारा आ द वॉक ठाणे स्थित चुनल पोपाइज आउटलेटसभ पर उपलब्ध रहत।
कंपनीक अनुसार, ई पहल केवल ग्राहकसभक प्रति आभार व्यक्त करबाक प्रयास नहि, बल्कि मुंबई आ पश्चिम भारतमे पोपाइजक लगातार मजबूत होइत मौजूदगी आ भविष्यक विस्तार योजनाक सेहो संकेत अछि।
