विद्या गौरव सम्मान 2026 कार्यक्रम सफलतापूर्वक संपन्न
नोएडा। कर्ण गोष्ठी कल्याण समिति द्वारा रविदिन नोएडामे “विद्या गौरव सम्मान 2026” कार्यक्रमक सफल आयोजन कएल गेल। संस्था अध्यक्ष डॉ. उग्र नारायण मल्लिकक नेतृत्वमे आयोजित एहि कार्यक्रममे शिक्षा, प्रेरणा, संस्कृति आ सामाजिक एकताक सुंदर संगम देखए लेल भेटल।
कार्यक्रमक शुभारंभ अतिथि स्वागत आ दीप प्रज्वलनसँ भेल। मुख्य अतिथिक रूपमे उपस्थित वित्त मंत्रालयसँ जुड़ल प्रवीण रंजन (आईआरएस) केँ समिति द्वारा पुष्पगुच्छ आ अंगवस्त्र दऽ सम्मानित कएल गेल। एहि अवसर पर समिति संस्थापक सदस्य अमर दास “कर्ण गोष्ठी कल्याण समिति”क सामाजिक आ शैक्षणिक योगदान पर विस्तारसँ प्रकाश देलनि।
कार्यक्रमक मुख्य आकर्षण 10म आ 12म कक्षाक मेधावी छात्र-छात्राके सम्मान समारोह रहल। उत्कृष्ट प्रदर्शन करनिहार छात्र-छात्राके प्रशस्ति पत्र आ पुरस्कार दऽ सम्मानित कएल गेल। हुनकर उपलब्धिपर अभिभावक आ उपस्थित गणमान्य लोकनि हर्ष व्यक्त कयलनि।
पल्लवी आनंद आ कनक लता अपन प्रेरणादायक विचारसँ विद्यार्थीके जीवनमे अनुशासन, आत्मविश्वास आ निरंतर परिश्रमक महत्व बुझौलनि। ओतहि सुनीति दास आ परमानंद कर्ण द्वारा कैरियर परामर्श सत्रक आयोजन कएल गेल, जाहिमे छात्र-छात्राके भविष्य निर्माण, प्रतियोगी परीक्षा आ कैरियर चयनसँ जुड़ल महत्वपूर्ण जानकारी देल गेल।
मुख्य अतिथि प्रवीण रंजन अपन संबोधनमे कहलनि जे शिक्षा केवल नौकरी प्राप्त करबाक माध्यम नहि, बल्कि समाज आ राष्ट्र निर्माणक मजबूत आधार अछि। हुनका विद्यार्थीके निरंतर सीखैत रहबाक आ अपन लक्ष्य प्रति समर्पित रहबाक प्रेरणा देलनि।
कार्यक्रममे आयोजित प्रश्नोत्तर सत्रमे छात्र-छात्रा खुलिकऽ अपन जिज्ञासा राखलनि आ कैरियर चुनावक बारीकीके समझलनि। विशेषज्ञ लोकनि द्वारा संतोषजनक समाधान सेहो देल गेल।
धन्यवाद ज्ञापनक संग कार्यक्रमक समापन भेल। समिति पदाधिकारीसभ कहलनि जे “विद्या गौरव सम्मान”क उद्देश्य केवल मेधावी छात्र-छात्राके सम्मानित करब नहि, बल्कि युवा पीढ़ीके प्रेरित कऽ समाजमे शिक्षा आ संस्कारक महत्व बढ़ेबाक अछि। कार्यक्रमक सफल आयोजन लेल सभ अतिथि, अभिभावक, विद्यार्थी आ समिति सदस्यक प्रति आभार व्यक्त कएल गेल।
