बेनीपट्टीमे पाइपलाइनसँ घर-घर पहुंचत रसोइ गैस, विधायक विनोद नारायण झाक पहलसँ बढ़ल उम्मीद

मधुबनी। लोक जनशक्ति पार्टी (रामविलास) के युवा राष्ट्रीय उपाध्यक्ष सह पार्टी प्रवक्ता डॉ. विभय कुमार झा कहलनि जे बेनीपट्टीमे पाइपलाइनक माध्यमसँ घर-घर रसोइ गैस पहुंचबाक उम्मीद बढ़ल अछि। ओ एहि लेल क्षेत्रीय विधायक विनोद नारायण झाक पहलकेँ श्रेय दैत कहलनि जे एहि सुविधासँ भविष्य मे क्षेत्रक लोककेँ लाभ भेटबाक संभावना अछि।

डॉ. विभय कुमार झा बिहारमे राष्ट्रीय जनतांत्रिक गठबंधन (एनडीए) सरकारक काजक चर्चा करैत कहलनि जे राज्य सरकार विकासक लेल काज कऽ रहल अछि। हुनकर कहब छलनि जे डबल इंजन सरकारक माध्यमसँ विकास काजकेँ कोना गति भेटि सकैत अछि, से बेनीपट्टी आबि कऽ बुझल जा सकैत अछि।

एकटा सवालक जवाब दैत डॉ. झा कहलनि, “ई हमर सौभाग्य अछि जे हम कर्मशील विधायक श्री विनोद नारायण झाक पुत्र छी।” ओ कहलनि जे हुनकर पिता पूरा समाजकेँ अपन परिवार मानैत छथि आ बेनीपट्टीक सर्वांगीण विकास लेल लगातार प्रयास करैत रहैत छथि।

डॉ. झाक अनुसार, क्षेत्रक विकास आ आम लोकक सुविधा बढ़ेनाइ हुनकर पिताक प्राथमिकतामे शामिल अछि। पाइपलाइनक माध्यमसँ रसोइ गैस उपलब्ध होयबाक उम्मीदसँ स्थानीय लोककेँ सुविधा भेटबाक आ क्षेत्रमे बुनियादी सेवाक विस्तार होयबाक संभावना मजबूत भेल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *