सीबीएसई पाठ्यक्रममे मैथिली शामिल होए पर मुख्यमंत्री जतौलनि हर्ष, कहलनि ऐतिहासिक कदम

पटना। बिहारक मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी केंद्रीय माध्यमिक शिक्षा बोर्ड (सीबीएसई)क पाठ्यक्रममे मैथिली भाषाके शामिल कएल जाएबाक निर्णयक स्वागत करैत एकरा मिथिलाक सांस्कृतिक पहचान आ भाषाई गौरव लेल ऐतिहासिक उपलब्धि बतौलनि।

सीबीएसई शैक्षणिक सत्र 2026-27 सँ मैथिलीके माध्यमिक स्तरक विषयक रूपमे शामिल करबाक निर्णय लेने अछि। एहि फैसला सँ मिथिला क्षेत्रमे खुशीक लहर दौड़ि गेल अछि आ एकरा भाषा संरक्षणक दिशा मे पैघ उपलब्धि मानल जा रहल अछि।

मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी सोशल मीडिया मंच ‘एक्स’ पर पोस्ट करैत कहलनि जे कक्षा एक सँ माध्यमिक स्तर धरि सीबीएसई पाठ्यक्रममे मैथिलीके शामिल कएल जाएब मिथिलाक समृद्ध सांस्कृतिक विरासतके सशक्त स्थान देबाक दिशा मे अत्यंत महत्वपूर्ण पहल अछि। हुनका अनुसार ई निर्णय मिथिलाक भाषाई सम्मान आ सांस्कृतिक अस्मिताके नव ऊँचाई देत।

मुख्यमंत्री कहलनि जे शिक्षा व्यवस्थामे मैथिलीके स्थान भेटलासँ नव पीढ़ी अपन मातृभाषा, संस्कृति आ अपन जड़िसँ बेसी मजबूतीसँ जुड़ि सकत। हुनका अनुसार ई सिर्फ मिथिला नहि, बल्कि समूचा बिहार लेल गर्वक विषय अछि।

हुनका कहब छल जे ई निर्णय भावी पीढ़ीके अपन भाषा आ परंपरासँ जोड़एबाक सशक्त माध्यम बनत। एकरा सँ मैथिली भाषाके राष्ट्रीय स्तर पर नव पहचान आ सम्मान भेटत।

सम्राट चौधरी प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक नेतृत्वक सराहना करैत कहलनि जे केंद्र सरकार भारतीय भाषा, संस्कृति आ परंपराक संरक्षण आ संवर्धन लेल लगातार प्रभावी कदम उठा रहल अछि। मैथिलीके सीबीएसई पाठ्यक्रममे शामिल कएल जाएब एहि सोचक प्रतिफल अछि।

शिक्षाविद् आ मैथिली प्रेमी सेहो एहि निर्णयक स्वागत करैत एकरा क्षेत्रीय भाषाक संरक्षण आ संवर्धनक दिशा मे मीलक पत्थर बतौने छथि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *