
गोरखपुर। उत्तर प्रदेशक गोरखपुर पुलिस एकटा सनसनीखेज कार्रवाई करैत दू गोटे नकली IAS आ एक गोटे फर्जी IPS अधिकारी केँ गिरफ्तार कऽ जेल पठा देलक। पुलिसक अनुसार ई सभ एतेक ठाठ-बाठ आ रौब-दाब सँ रहैत छल जे कतेको बेर पुलिसक जवान सेहो हुनका सभ केँ असली अधिकारी बुझि लैत छलाह।
गिरफ्तार आरोपीसभमे बिहारक निवासी ललित किशोर सेहो शामिल अछि, जे अपनाकेँ IAS अधिकारी बताकऽ करोड़ों रुपयाक ठगी करैत छल। पुलिसक जांचमे खुलासा भेल जे ओ आलीशान जीवनशैली जीबैत छल आ चारि गोटे गर्लफ्रेंड सेहो बना रखने छल। ओकरा संग हमेशा गाड़ीक लंबा काफिला चलैत छल आ सुरक्षाक नाम पर आठ गोटे गनर सेहो रहैत छलाह।
जांचमे ई बात सेहो सामने आयल जे एक बेर ललित किशोर बिहारक एकटा एसडीएम केँ थप्पड़ मारि देने छल। चौंकाबयवाली बात ई रहल जे संबंधित एसडीएम ओकरा असली IAS अधिकारी बुझि शिकायत धरि नहि केलनि।
पुलिसक अनुसार आरोपीसभ नकली पहचानक सहारे लोकसभ पर प्रभाव जमाबैत छल आ सरकारी अधिकारीक नाम पर लोकसभ सँ ठगी करैत छल। किछु लोकसँ नौकरी, ट्रांसफर आ सरकारी काम कराबयक नाम पर पैघ रकम वसूलबाक आरोप सेहो अछि।
गोरखपुर पुलिस द्वारा गहन जांचक बाद पूरा मामला सामने आयल। सच्चाई उजागर होइतहि प्रशासनिक महकमा आ आम लोकसभमे आश्चर्यक माहौल बनि गेल। पुलिस आरोपीसभक खिलाफ धोखाधड़ी, जालसाजी आ अन्य धारामे मामला दर्ज कऽ कार्रवाई कऽ रहल अछि।
गिरफ्तारीक बाद जे लोक काल्हि धरि अपनाकेँ बड़ा अधिकारी बताकऽ घूमैत छलाह, हुनकर सगरी हेकड़ी निकलि गेल अछि। जेल सूत्रक अनुसार हत्या, लूट आ अन्य गंभीर अपराधमे बंद कैदी आब मजाकमे एहि आरोपीसभ केँ “420 गुरु” कहिकऽ संबोधित करैत छथि।
पुलिस आब एहि बातक जांच कऽ रहल अछि जे आरोपीसभक नेटवर्क कतबा पैघ छल आ देशक आन राज्यसभमे सेहो एहि तरहक ठगीक घटनामे हुनकर संलिप्तता रहल कि नहि।