Trinity Golf Champions League 2026 लेल Wave Riders केर 20 सदस्यीय टीमक घोषणा

 दिल्ली। Wave City केर प्रमुख टीम Wave Riders बहुप्रतीक्षित Trinity Golf Champions League (TGCL) 2026 लेल अपन 20 सदस्यीय टीमक घोषणा कए देलक अछि। क्रिकेटक दिग्गज कपिल देव द्वारा प्रस्तुत TGCL केर चौथा सीजन 31 अगस्त सँ 5 सितंबर धरि ग्रेटर नोएडा स्थित प्रतिष्ठित Jaypee Greens Golf Course मे आयोजित होयत।

Wave Riders केर नव घोषित टीम मे अनुभवी पेशेवर गोल्फर, प्रतिभाशाली उभरैत अमेच्योर खिलाड़ी आ एक प्रतिष्ठित सेलिब्रिटी गोल्फरक शानदार मिश्रण देखबाक लेल भेटत। टीम पिछला सीजनक अनुभव केँ आधार बना कए एहि बेर नव ऊर्जा आ प्रतिभाक संग मैदान मे उतरबाक तैयारी मे अछि।

टीमक आधिकारिक घोषणा कार्यक्रम मे सभ टीम सदस्य, प्रायोजक आ विशिष्ट अतिथि उपस्थित छलाह। पिछला सीजन मे टीमक प्रदर्शन सँ भेटल अनुभव केँ ध्यान मे रखैत टीम मे अनुभवी खिलाड़ी सभक संग नव प्रतिभा केँ सेहो स्थान देल गेल अछि।

प्रसिद्ध व्यक्तित्व जफर इकबाल सेलिब्रिटी गोल्फरक रूप मे Wave Riders टीम सँ जुड़ल छथि। हुनकर उपस्थिति टीम मे स्टार पावर बढ़ेबाक संग गोल्फ खेलक प्रति उत्साह केँ सेहो बढ़ाओत। सिमरजीत सिंह टीमक कप्तान रहताह, जखन कि आशीष कपूर उपकप्तानक जिम्मेदारी संभालताह।

टीमक अन्य प्रमुख खिलाड़ी मे शौर्य भट्टाचार्य, रिधिमा दिलावरी, अर्जुन शर्मा आ जैस्मिन शेखर सहित कतेको प्रतिभाशाली गोल्फर शामिल छथि।

Wave Group केर प्रबंध निदेशक आ Team Wave Riders केर प्रमोटर राजीव गुप्ता टीमक घोषणा पर खुशी व्यक्त करैत कहलनि जे TGCL 2026 लेल टीम मे अनुभवी आ नव प्रतिभाक शानदार संतुलन अछि। हुनकर कहब छल जे पिछला प्रतियोगिताक अनुभव आ सीखक आधार पर टीम एहि बेर अपन प्रदर्शन सँ नव मानक स्थापित करबाक लेल तैयार अछि। ओ खेलक माध्यम सँ स्वास्थ्य, फिटनेस आ सक्रिय जीवनशैली केँ बढ़ावा देबाक प्रति समूहक प्रतिबद्धता सेहो दोहरौलनि।

TGCL केर प्रस्तुतकर्ता आ क्रिकेट दिग्गज कपिल देव कहलनि जे Trinity Golf Champions League आब अपन चौथा सीजन मे प्रवेश कए रहल अछि आ Wave Riders द्वारा लगातार प्रतियोगिता मे भाग लेब उत्साहजनक अछि। हुनकर अनुसार TGCL पेशेवर, अमेच्योर आ सेलिब्रिटी खिलाड़ी सभ केँ एक मंच पर प्रतिस्पर्धा करबाक अनूठ अवसर प्रदान करैत अछि।

TGCL केर प्रमोटर अतीत गौर कहलनि जे ई प्रतियोगिता खेलक उत्कृष्टता, प्रतिस्पर्धाक भावना आ सामुदायिक जुड़ाव केँ एक मंच पर आनैत अछि। हुनकर अनुसार एहन आयोजन नव प्रतिभा केँ प्रोत्साहित करबाक, खेल मे भागीदारी बढ़ेबाक आ दर्शक आ खिलाड़ी दुनू लेल यादगार अनुभव तैयार करबाक महत्वपूर्ण माध्यम अछि।

IPL शैली मे गोल्फक अनूठ आयोजन

Trinity Golf Champions League क्रिकेट दिग्गज कपिल देवक परिकल्पना पर आधारित एक अनूठ गोल्फ प्रतियोगिता अछि। एकर विशेषता IPL शैलीक टीम फॉर्मेट अछि, जाहि मे पेशेवर, अमेच्योर आ सेलिब्रिटी गोल्फर एक्कहि टीमक हिस्सा बनि कए प्रतिस्पर्धा करैत छथि।

व्यक्तिगत प्रतिभा आ टीम रणनीतिक सहयोगक एहि अनोखा मेल सँ TGCL गोल्फ केँ एकटा नया आ रोमांचक स्वरूप प्रदान करैत अछि। एहि फॉर्मेटक उद्देश्य गोल्फक लोकप्रियता बढ़ेबाक संग नव प्रतिभा केँ अपन क्षमता प्रदर्शित करबाक अवसर देनाइ सेहो अछि।

31 अगस्त सँ शुरू होमय वाला TGCL 2026 मे Wave Riders अपन अनुभव, प्रतिभा आ टीम भावना संग खिताबक लेल मैदान मे उतरबाक लेल तैयार अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *