नई दिल्ली। क्रिकेटक सबसे लोकप्रिय टी-20 प्रतियोगिता आईपीएल 2026 समाप्त भऽ गेल अछि, मुदा एहि सत्रक उपलब्धि, रिकॉर्ड आ उभरैत प्रतिभाक चर्चा एखनहु जारी अछि। एहि बेरक आईपीएल केवल रोमांचक मुकाबलासभ लेल नहि, बल्कि युवा खिलाड़ीसभ केँ भेटल अवसर आ हुनकर शानदार प्रदर्शन लेल सेहो याद रखल जाएत।
रजत पाटीदारक नेतृत्वमे रॉयल चैलेंजर्स बेंगलुरु लगातार दोसर बेर आईपीएल ट्रॉफी जीतए मे सफल रहल। टीमक सफलता मे अनुभवी बल्लेबाज विराट कोहलीक योगदान फेर निर्णायक रहल। पूरा सत्रमे शानदार प्रदर्शन करैत विराट अपन आलोचकसभ केँ करारा जवाब देलनि, जे हुनका संन्यास लेबाक सलाह दैत छलाह। फाइनल मुकाबलामे विराट एक छोर सँ डटल रहला आ मात्र 42 गेंदमे 75 रनक शानदार पारी खेलि टीम केँ जीत दिलौलनि। शुभमन गिलक कप्तानी वाली गुजरात टाइटंस केँ अपनहि घरेलू मैदान अहमदाबादमे हारिक सामना करए पड़ल।
आईपीएल 2026 क सबसे पैघ खोज बनला वैभव
एहि सत्रक सबसे पैघ आकर्षण राजस्थान रॉयल्सक 15 वर्षीय युवा बल्लेबाज वैभव रघुवंशी रहलाह। अपन पहिलहि आईपीएल सत्रमे वैभव अपन आक्रामक आ विस्फोटक बल्लेबाजी सँ देशभरिक क्रिकेट प्रेमीसभ केँ प्रभावित कए देलनि।
वैभव आईपीएल 2026 मे सबसे बेसी 776 रन बनौलनि आ ऑरेंज कैप जीतनिहार सबसे कम उम्रक खिलाड़ी बनि गेलाह। हुनका बल्लासँ एक शतक आ पाँच अर्धशतक निकलल। 16 मैचक 16 पारिमे वैभव 48.50 क औसत आ 237.30 क स्ट्राइक रेट सँ रन बनौलनि।
पूरा सत्रमे वैभव 63 चौका आ 72 छक्का लगौलनि। ओ दू बेर शतकक अत्यंत करीब पहुँचला, मुदा शतक पूरा नहि कऽ सकला। यदि ओ सफल भऽ जाइतथि तऽ कतेको आरो रिकॉर्ड हुनकर नाम पर दर्ज भऽ सकैत छल।
शुभमन गिल आ साई सुदर्शन सेहो चमकलाह
बल्लेबाजी मे गुजरात टाइटंसक कप्तान शुभमन गिल 732 रनक संग दोसर स्थान पर रहलाह। तेसर स्थान पर गुजरातेक साई सुदर्शन रहलाह, जे 722 रन बना कए आईपीएल 2026 क सबसे भरोसेमंद बल्लेबाजसभमे शामिल भेला।
क्रिकेट विशेषज्ञ, कमेंटेटर आ विश्लेषकसभक मानब अछि जे साई सुदर्शन आने वाला समयमे भारतीय राष्ट्रीय टीमक महत्वपूर्ण हिस्सा बनि सकैत छथि।
भारत-ए टीममे शामिल भेला वैभव
आईपीएलमे शानदार प्रदर्शनक बाद वैभव रघुवंशी लेल भारतीय क्रिकेटक द्वार तेजी सँ खुलैत देखाइ पड़ि रहल अछि। हुनका भारत-ए टीममे शामिल कयल जा चुकल अछि आ हुनकर पहिल विदेशी दौरा श्रीलंका सँ शुरू होएत, जतए त्रिकोणीय श्रृंखला खेलल जाएत।
वैभवक नाम जापानमे आयोजित होमए वाला एशियाई खेलक संभावित भारतीय क्रिकेट टीममे सेहो शामिल कयल गेल अछि। क्रिकेट विशेषज्ञसभक अनुसार ऑस्ट्रेलिया, न्यूजीलैंड आ दक्षिण अफ्रीका जेकाँ तेज पिच वाला देशमे हुनकर असली परीक्षा होएत।
वैभव, शुभमन आ साई सुदर्शनक अतिरिक्त यशस्वी जायसवाल, रियान पराग आ आन युवा खिलाड़ीसभ सेहो अपन प्रदर्शन सँ दर्शकसभक ध्यान आकर्षित करए मे सफल रहलाह।
गेंदबाजीमे भुवनेश्वरक दबदबा
गेंदबाजीमे रॉयल चैलेंजर्स बेंगलुरुक अनुभवी तेज गेंदबाज भुवनेश्वर कुमार सबसे सफल रहलाह। ओ पूरा सत्रमे 28 विकेट लऽ सर्वाधिक विकेट लेनिहार गेंदबाज बनला। दोसर स्थान पर जोफ्रा आर्चर रहलाह, जे 25 विकेट लेबामे सफल रहलाह।
हालांकि एहि सत्रक एकटा खास बात ई रहल जे कोनो नव भारतीय गेंदबाज विशेष प्रभाव छोड़ए मे सफल नहि रहल। पूरा टूर्नामेंटमे बल्लेबाजसभक दबदबा देखए लेल भेटल। हार्दिक पांड्या जेकाँ स्थापित गेंदबाजसभ लेल ई सत्र निराशाजनक साबित भेल।
नाम पैघ, प्रदर्शन छोट
आईपीएल 2026 मे कतेको खिलाड़ी पर फ्रेंचाइजीसभ करोड़ों रुपया खर्च कयलक, मुदा ओ अपेक्षाक अनुरूप प्रदर्शन नहि कऽ सकलाह। कोलकाताक कैमरून ग्रीन, चेन्नईक कार्तिक शर्मा, प्रशांत वीर, राजस्थानक रवि विश्नोई, दिल्लीक आकिब अली, लखनऊक जोस इंगलिस आ हैदराबादक लिविंगस्टोन जेकाँ खिलाड़ीसभ अपेक्षाक अनुरूप योगदान नहि दऽ सकलाह।
घरेलू मैदानक लाभ सेहो नहि भेटल
एहि सत्रमे अधिकांश टीम अपन घरेलू मैदानक लाभ उठाबए मे असफल रहल। फाइनलमे गुजरात टाइटंस केँ अहमदाबादमे अपन दर्शकसभक सामने हार झेलए पड़ल। ओहिना लखनऊ सुपर जायंट्स सेहो अपन घरेलू मैदान पर लगातार संघर्ष करैत देखल गेल।
युवा प्रतिभा लेल मार्ग खोलि गेल आईपीएल
आईपीएल 2026 फेर एक बेर साबित कऽ देलक जे ई टूर्नामेंट केवल मनोरंजनक मंच नहि, बल्कि भारतीय क्रिकेटक भविष्य गढ़ए वाला सबसे पैघ मंच अछि। एहि सत्रमे वैभव रघुवंशी जेकाँ नव सिताराक उदय भेल, जे आगामी वर्षसभमे भारतीय क्रिकेटक पहचान बनि सकैत छथि।
विराट कोहलीक अनुभव, बेंगलुरुक लगातार दोसर खिताबी जीत आ वैभव रघुवंशी जेकाँ नव सिताराक चमक—ई सभ कारण आईपीएल 2026 केँ क्रिकेट प्रेमी बहुत दिन धरि याद रखताह।
