‘कम खर्च, मजबूत देश’ : विदेश यात्रा सँ सोना खरीद धरि—मोदीक अपीलक उद्योग जगत के समर्थन

नई दिल्ली। पश्चिम एशिया मे बढ़ैत संघर्ष आ वैश्विक आर्थिक अनिश्चितताक बीच प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी के बचत, आत्मनिर्भरता आ विवेकपूर्ण खर्च संबंधी अपील पर देशक प्रमुख उद्योगपति समर्थन देलनि अछि। मुदा विपक्ष, खासकर कांग्रेस सांसद राहुल गांधी, एहि अपील केँ सरकारक आर्थिक विफलताक संकेत यानि रहल छथि।
सिकंदराबाद मे आयोजित जनसभा मे प्रधानमंत्री मोदी देशवासी सँ ईंधन बचाबए, गैर-जरूरी खरीदारी कम करए, विदेश यात्रा स्थगित करय, वर्क फ्रॉम होम आ घरेलू पर्यटन केँ बढ़ावा देबाक अपील कयलनि। हुनकर कहब छल जे वर्तमान वैश्विक परिस्थिति मे विदेशी मुद्रा भंडारक रक्षा राष्ट्रहित लेल अत्यंत जरूरी भ’ गेल अछि।
राहुल गांधी एक्स पर पोस्ट करैत सरकार पर निशाना साधलनि। हुनकर आरोप छल जे सरकार अपन विफलता नुकाबय लेल जनता पर त्याग थोपि रहल अछि। ओ लिखलनि जे 12 वर्षक शासनक बाद सरकार एहन स्थिति मे पहुँचि गेल अछि जतए लोकसभ केँ बताबए पड़ि रहल अछि जे की खरीदू आ की नहि।
एहि विवादक बीच देशक प्रमुख उद्योगपतिसभ प्रधानमंत्रीक अपीलक समर्थन मे सामने आएल छथि। टीवीएस मोटर कंपनी के अध्यक्ष वेणु श्रीनिवासन कहलनि जे वैश्विक अस्थिरताक समय मे आत्मनिर्भरता आ नियंत्रित उपभोग अत्यंत आवश्यक अछि। भारती समूह के अध्यक्ष सुनील भारती मित्तल सेहो एहि समय केँ “आर्थिक अनुशासनक क्षण” कहि देशक आंतरिक मजबूती पर दोसर बेर जोर देबाक बात कहलनि। भारतीय स्टेट बैंक के मुख्य आर्थिक सलाहकार स्पष्ट कयलनि जे प्रधानमंत्रीक अपीलक उद्देश्य राशनिंग लागू करब नहि, बल्कि विदेशी मुद्रा भंडार पर दबाव कम करब अछि।
प्रधानमंत्री मोदी कहलनि जे भारत आयातित ईंधन पर बहुत हद तक निर्भर अछि। एहन स्थिति मे पेट्रोल-डीजल खपत कम करब देश लेल आर्थिक रूप सँ फायदेमंद होएत। ओ कोविड काल मे अपनाओल गेल डिजिटल कार्यशैली—जेना वर्चुअल मीटिंग आ वर्क फ्रॉम होम—केँ फेर सँ प्राथमिकता देबाक सुझाव सेहो देलनि।
एहि संग प्रधानमंत्री नागरिकसभ सँ आग्रह कयलनि जे आगामी एक वर्ष धरि गैर-जरूरी सोना खरीद, विदेशी छुट्टी आ डेस्टिनेशन वेडिंग सँ बचबाक चाही। हुनकर मानब अछि जे एहन कदम विदेशी मुद्रा बचत आ आर्थिक स्थिरता दुनू लेल उपयोगी साबित होएत।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *