
पटना। केंद्र सरकार द्वारा बिहारमे 29 नव रेल परियोजनाक स्वीकृति राज्यक विकास दिशामे एकटा ऐतिहासिक आ दूरगामी निर्णय मानल जा रहल अछि। हाजीपुर संसदीय क्षेत्रक अंतर्गत भगवानपुर–महुआ–समस्तीपुर रेल लाइन परियोजना केँ मंजूरी भेटलासँ क्षेत्रवासीसभमे खुशीक लहर दौड़ि गेल अछि। एकरा बिहारक उज्ज्वल भविष्य लेल पैघ सौगातक रूपमे देखल जा रहल अछि।
लोक जनशक्ति पार्टीक युवा राष्ट्रीय उपाध्यक्ष सह प्रवक्ता डॉ. विभय कुमार झा एहि महत्वपूर्ण निर्णय लेल केंद्र सरकार आ बिहारक एनडीए सरकार केँ बधाई दैत कहलनि जे ई परियोजना क्षेत्रक विकास केँ नव गति देत।
ओ कहलनि जे भगवानपुर–महुआ–समस्तीपुर रेल लाइनक निर्माणसँ रेल संपर्क बेसी सुलभ आ सुगम बनत। एहिसँ व्यापार, शिक्षा आ आवागमनक क्षेत्रमे उल्लेखनीय सुधार होयत, संगहि स्थानीय स्तर पर रोजगारक नव अवसर सृजित होयत। हुनका कहब छल जे ई केवल एकटा रेल लाइन नहि, बल्कि विकास, सुविधा आ समृद्धिक नव पटरी अछि, जे बिहार केँ प्रगतिक नव आयाम धरि पहुँचा देत।
डॉ. विभय कुमार झा कहलनि जे लोक जनशक्ति पार्टीक राष्ट्रीय अध्यक्ष सह केंद्रीय मंत्री श्री चिराग पासवान सम्पूर्ण बिहारक विकास केँ सर्वोच्च प्राथमिकता दैत लगातार कार्य कऽ रहल छथि। हुनका कहलनि जे हालक दिनसभमे जिनका-जिनका सँ हुनकर भेंट भेल अछि, सभ गोटे श्री पासवानक कार्यक प्रशंसा कयने छथि।
एकटा सवाल के जवाब दैति ओ आगाँ कहलनि जे यदि बिहारक सभ केंद्रीय नेता एहि प्रकारे राज्यहित केँ सर्वोच्च प्राथमिकता दैत कार्य करथि, तँ बिहार केँ विकसित राज्य बनयमे बेसी समय नहि लागत। हुनका विश्वास जतौलनि जे केंद्र आ राज्य सरकारक समन्वित प्रयाससँ बिहार विकासक नव ऊँचाइ केँ छूएत।