जंतर-मंतर पर CJP केर प्रदर्शनसँ पहिने दिल्लीमे कड़ा सुरक्षा, 37 ठाम नाकाबंदी; 45 हजार सुरक्षाकर्मीक तैनाती केर दावा

कनॉट प्लेसमे दोकान, कार्यालय आ रेस्तराँ बंद रखबाक निर्णय; कालका शताब्दी आ जनशताब्दी रद्द भेलासँ पंजाब विश्वविद्यालयक छात्र सभकेँ परेशानी

 दिल्ली। जंतर-मंतर पर शनिदिन प्रस्तावित CJP केर धरना-प्रदर्शनसँ पहिने दिल्ली पुलिस सुरक्षा व्यवस्था कड़ा कऽ देने अछि। प्रदर्शनकारी सभकेँ नियंत्रित करबाक लेल व्यापक सुरक्षा इंतजाम कएल गेल अछि। उपलब्ध जानकारीक अनुसार, जंतर-मंतर आ संसद मार्ग सहित लुटियंस दिल्लीक करीब पाँच किलोमीटरक क्षेत्रमे सुरक्षा घेरा बनाओल गेल अछि। अनेक प्रमुख सड़क पर बैरिकेडिंग कए आवाजाही नियंत्रित कएल जा रहल अछि।

37 ठाम नाकाबंदी, 15 हिरासत केंद्र बनाओल गेल

मिलल जानकारीक अनुसार, सुरक्षा व्यवस्थाक तहत 37 ठाम नाकाबंदी कएल गेल अछि आ 15 हिरासत केंद्र बनाओल गेल अछि। करीब 45 हजार सुरक्षाकर्मीक तैनाती कएल गेलाक दावा कएल जा रहल अछि। एहिमे दिल्ली पुलिसक जवानक संग अर्धसैनिक बलक कर्मी सेहो शामिल छथि। जंतर-मंतर आ संसद मार्ग दिस जाएबला सड़क पर विशेष निगरानी राखल जा रहल अछि।

जानकारीक अनुसार, केंद्र सरकार सुरक्षा व्यवस्थाक लेल 221 कंपनी उपलब्ध करौने अछि। एहि कंपनी सभक तैनाती 8 सँ 12 अक्टूबर धरि लेल कएल गेल अछि। कहल जा रहल अछि जे एहि कंपनी सभमे करीब 23 हजार जवान शामिल छथि। एकर अतिरिक्त महिला सुरक्षाकर्मीक तैनाती सेहो बढ़ाओल गेल अछि।

कनॉट प्लेसमे दोकान, कार्यालय आ रेस्तराँ रहत बंद

जंतर-मंतरक आसपास संभावित विरोध-प्रदर्शनकेँ देखैत कनॉट प्लेस (सीपी) मे दोकान, कार्यालय आ रेस्तराँ बंद रखबाक निर्णय लेल गेल अछि। कारोबारी सभक कहब अछि जे सुरक्षा प्राथमिकता दैत एहतियातक तौर पर ई कदम उठाओल गेल अछि। सुरक्षा इंतजाम आ यातायात प्रतिबंधक कारण मध्य दिल्लीमे लोकक आवाजाही प्रभावित होयबाक आशंका अछि।

कालका शताब्दी आ जनशताब्दी रद्द, छात्र सभकेँ परेशानी

दिल्लीमे प्रस्तावित प्रदर्शनमे शामिल होयबाक लेल पंजाब विश्वविद्यालयक छात्र सभ आधा रातिसँ राजधानी दिस रवाना होबए लगलाह। चंडीगढ़सँ दिल्ली आबएवाली कालका शताब्दी आ जनशताब्दी ट्रेन रद्द भेला पर विद्यार्थी सभकेँ यात्रा लेल दोसर साधन खोजए पड़ल। छात्र सभ बस आ निजी वाहनक माध्यमसँ दिल्ली पहुँचबाक तैयारी कएलनि।

रेलवे केर अनुसार, कालका शताब्दी भोरे 6:53 बजे आ जनशताब्दी 7:41 बजे रवाना होएबाक लेल निर्धारित छल। मुदा दुनू ट्रेन रद्द कऽ देल गेल। एहि कारण दिल्ली जाएबाक योजना बना रहल यात्री सभ, खास कऽ प्रदर्शनमे शामिल होमएवला विद्यार्थी सभकेँ परेशानी भेल।

प्रदर्शन जारी रखबाक छात्र सभक घोषणा

पंजाब विश्वविद्यालयक आइसा (AISA) संगठनक सदस्य आयुष आरोप लगौलनि जे विद्यार्थी सभकेँ प्रदर्शनमे शामिल होयसँ रोकबाक लेल अलग-अलग तरीका अपनाओल जा रहल अछि। हुनकर कहब छलनि जे निजामुद्दीन आ नई दिल्ली रेलवे स्टेशन दिस जाएबला ट्रेन सभ रद्द भेला सँ छात्र सभकेँ कठिनाइ भेल अछि।

छात्र सभक कहब अछि जे ओ सभ अपन प्रस्तावित कार्यक्रमसँ पाछाँ नहि हटताह। आवश्यकता पड़ला पर प्रदर्शन 11, 12 आ 13 अक्टूबरकेँ सेहो जारी राखल जा सकैत अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *