
पटना। जन सुराजसँ अपन राजनीतिक यात्रा शुरू करय वाली भोजपुरी अभिनेत्री अक्षरा सिंह आब भाजपा नेतासभसँ भेंटघाँट कय रहल छथि। हुनकर राजनीतिक मुलाकात आब चर्चाक विषय बनल अछि। आब देखबाक ई अछि जे ई राजनीतिक भेंटघाँट हुनका कोनो नव राजनीतिक मुकाम धरि पहुंचबैत अछि अथवा केवल शिष्टाचार मुलाकात धरि सीमित रहैत अछि।
एहि बीच राजनीतिक गलियारामे ई चर्चो जोर पकड़ि रहल अछि जे आगामी दिनमे राज्यपाल कोटासँ होयवला एमएलसी मनोनयनमे अक्षरा सिंहक नाम पर सेहो विचार भऽ सकैत अछि। हालांकि, एहि संबंधमे एखन धरि कोनो आधिकारिक पुष्टि नहि भेल अछि।