
टेक्नोलॉजी, रिसर्च, प्रशासन आ भारतीय ज्ञान परम्परा मे बढ़ल संस्कृतक मांग, देशक प्रतिष्ठित संस्थानसभ मे नामांकनक अवसर
नई दिल्ली। एक समय छल जखन संस्कृत के केवल धर्म, शास्त्र आ अध्यापन धरि सीमित मानल जाइत छल। मुदा आब समय बदलि रहल अछि। कृत्रिम बुद्धिमत्ता (AI), भाषा प्रौद्योगिकी, शोध, सिविल सेवा आ भारतीय ज्ञान परम्पराक बढ़ैत महत्वक बीच संस्कृत युवासभ लेल तेजी सँ उभरैत करियर विकल्प बनि रहल अछि।
विशेषज्ञसभक अनुसार, गूगल, माइक्रोसॉफ्ट, जेकाँ विश्वस्तरीय टेक कम्पनीसभ प्राकृतिक भाषा प्रसंस्करण (NLP), मशीन ट्रांसलेशन आ भारतीय भाषासँ जुड़ल AI प्रोजेक्टसभ लेल संस्कृतक जानकार भाषा विशेषज्ञसभ के प्राथमिकता दऽ रहल छथि। संस्कृतक वैज्ञानिक व्याकरण आ संरचित भाषा-व्यवस्था के आधुनिक कम्प्यूटिंग आ AI क्षेत्रमे उपयोगी मानल जा रहल अछि।
संस्कृत मे स्नातक अथवा स्नातकोत्तर करला बाद छात्रसभ केवल शिक्षक नहि, बल्कि AI लैंग्वेज इंजीनियर, रिसर्चर, डिजिटल कंटेंट विशेषज्ञ, अनुवादक, भारतीय ज्ञान परम्परा (IKS) शोधकर्ता, एडटेक विशेषज्ञ आ UPSC सहित विभिन्न प्रतियोगी परीक्षाक अभ्यर्थीक रूपमे सेहो उज्ज्वल करियर बना सकैत छथि।
देशक अनेक प्रतिष्ठित संस्थानसभ आब संस्कृत मे आधुनिक आ रोजगारोन्मुख पाठ्यक्रम उपलब्ध करा रहल छथि। केन्द्रीय संस्कृत विश्वविद्यालय (नई दिल्ली) मे शास्त्री (BA), आचार्य (MA) संग Computational Linguistics आ डिजिटल विषयक विशेष पाठ्यक्रम चलाओल जा रहल अछि। श्री लाल बहादुर शास्त्री राष्ट्रीय संस्कृत विश्वविद्यालय (नई दिल्ली) मे संस्कृतक संग कम्प्यूटर एप्लीकेशन, भाषा विज्ञान, योग, ज्योतिष आ वास्तुशास्त्रक आधुनिक पाठ्यक्रम उपलब्ध अछि। दक्षिण भारतक नेशनल संस्कृत विश्वविद्यालय, तिरुपति सेहो संस्कृत, कम्प्यूटर साइंस आ पाण्डुलिपि डिजिटलीकरणक क्षेत्रमे विशेष पहचान बना रहल अछि।
सेंट्रल यूनिवर्सिटी ऑफ हरियाणा मे सेहो MA संस्कृतमे नामांकनक प्रक्रिया जारी अछि, जतय कोनो विषयसँ स्नातक छात्र आवेदन कऽ सकैत छथि।
शिक्षा विशेषज्ञसभक मानब अछि जे राष्ट्रीय शिक्षा नीति (NEP) 2020 भारतीय ज्ञान परम्पराकेँ आधुनिक शिक्षा आ तकनीकसँ जोड़बाक दिशा मे महत्वपूर्ण पहल करैत अछि। हुनक अनुसार संस्कृत केवल प्राचीन भाषा नहि, बल्कि विज्ञान, गणित, आयुर्वेद, दर्शन, न्यायशास्त्र आ आधुनिक तकनीकक बीच सशक्त सेतु बनि रहल अछि।
बदलैत समय मे संस्कृत आब केवल परम्पराक प्रतीक नहि, बल्कि आधुनिक तकनीक, प्रशासन आ वैश्विक करियरक नव अवसरक द्वार बनि कऽ उभरि रहल अछि। विशेषज्ञसभक मानब अछि जे जे युवा अपन सांस्कृतिक जड़िसँ जुड़ैत भविष्यक तकनीकी दुनिया मे अपन पहचान बनाबऽ चाहैत छथि, हुनका लेल संस्कृत एकटा सशक्त विकल्प साबित भऽ सकैत अछि।