एचपीसीएल आ टाटा मोटर्सक साझेदारी, उपयोग भ’ चुकल ऑटोमोटिव लुब्रिकेंटक रीसाइक्लिंग लेल विकसित होएत सर्कुलर इकोनॉमी मॉडल

मुंबई: हिंदुस्तान पेट्रोलियम कॉर्पोरेशन लिमिटेड (HPCL) आ टाटा मोटर्स, भारतक सबसँ पैघ वाणिज्यिक वाहन निर्माता कम्पनी, उपयोग भ’ चुकल ऑटोमोटिव लुब्रिकेंटक जिम्मेदार संग्रहण आ रीसाइक्लिंग लेल एक महत्वपूर्ण समझौता ज्ञापन (MoU) पर हस्ताक्षर केने अछि।

ई साझेदारी भारतमे सतत विकास आ सर्कुलर इकोनॉमी केँ बढ़ावा देबाक दिशा मे एक महत्वपूर्ण पहल मानल जा रहल अछि। एहि परियोजनाक उद्देश्य उपयोग भ’ चुकल लुब्रिकेंट, जे खतरनाक अपशिष्टक श्रेणीमे अबैत अछि, तकर व्यवस्थित संग्रहण, भंडारण आ रीसाइक्लिंग सुनिश्चित करब अछि।

एहि प्रक्रिया अंतर्गत उपयोग कएल गेल तेलकेँ उच्च गुणवत्ता वाला री-रिफाइंड बेस ऑयल मे परिवर्तित कएल जाएत, जाहिसँ संसाधनक दक्ष उपयोग होएत आ पर्यावरणीय जोखिम कम होएत।

एचपीसीएलक कार्यकारी निदेशक (लुब्स) श्री चि. श्रीनिवास कहलनि जे उपयोग भ’ चुकल तेलक सही पुनर्चक्रण सँ कार्बन उत्सर्जन कम होएत आ सस्टेनेबिलिटी लक्ष्य प्राप्त करबमे सहायता भेटत। हुनका अनुसार, टाटा मोटर्स संग ई साझेदारी एक मजबूत आ स्केलेबल मॉडल तैयार करत।

टाटा मोटर्सक हेड – पार्ट्स एंड सर्विसेज, श्री विक्रम अग्रवाल कहलनि जे यदि उपयोग भ’ चुकल ऑटोमोटिव लुब्रिकेंटक जिम्मेदारी सँ निपटारा नहि कएल जाए त’ ई पर्यावरण लेल दीर्घकालिक नुकसानदायक साबित भ’ सकैत अछि। हुनकर अनुसार, ई पहल जिम्मेदार रीसाइक्लिंगक लेल उद्योगमे एक मजबूत आधार तैयार करत।

समझौता अंतर्गत एचपीसीएल अधिकृत चैनलक माध्यम सँ उपयोग भ’ चुकल लुब्रिकेंटक संग्रहण आ परिवहन सुनिश्चित करत, जबकि टाटा मोटर्स अपन व्यापक अधिकृत सर्विस नेटवर्कक माध्यम सँ संरचित संग्रहण आ सुरक्षित निपटानक प्रक्रिया लागू करत।

ई पायलट परियोजना देशक चुनिंदा राज्यसभमे लागू कएल जाएत आ दुनू संगठनक प्रतिनिधिसभक संयुक्त समिति एकर निगरानी करत।

टाटा मोटर्स वर्तमानमे भारतभरि 4,500 सँ अधिक बिक्री आ सेवा केंद्र संचालित करैत अछि आ अपन ‘संपूर्ण सेवा 2.0’ आ ‘फ्लीट एज’ प्लेटफॉर्मक माध्यम सँ व्यापक मोबिलिटी समाधान उपलब्ध करा रहल अछि।

ई साझेदारी भारतक सतत औद्योगिक विकास आ हरित अर्थव्यवस्था दिशामे एक महत्वपूर्ण कदम मानल जा रहल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *