बंगालक बदलैत राजनीतिक स्वाद : झालमुड़ीक संदेश

कोलकाता। बंगालक पहचान एक समय रसगुल्लाक मिठास सँ होइत छल—नरमी, संतुलन आ अपनत्वक स्वाद। मुदा आब ओहि बंगालक राजनीति झालमुड़ीक तीखापनमे अपन बात कहैत देखाइ पड़ि रहल अछि। ई केवल खान-पानक बदलाव नहि, बल्कि जनभावनाक नव समीकरण अछि—बिना कोनो परत, सीधा आ चुभैत संदेश।

मुख्यमंत्री ममता बनर्जी केर लंबा शासनकालमे “माँ, माटी, मानुष” केर नारा खूब गूँजल। मुदा समय बीतैत-बीतेत ई प्रश्न सेहो उठए लागल जे आखिर “मानुष” के छथि आ के नहि?

बीते किछु वर्षमे चुनावक समय हिंसा, विरोधी दलक कार्यकर्तासभ पर हमला, 2021 विधानसभा चुनावक बादक अप्रिय घटनासभ, पर्व-त्योहारक अवसर पर अनुमति आ प्रतिबंधक विवाद, शोभायात्रासभ पर पथराव आ प्रशासनिक निष्पक्षताक सवाल लगातार चर्चा मे रहल।

राजनीतिक विश्लेषक मानैत छथि जे जखन कोनो सरकार सर्वसमावेशी होएबाक दावा करैत अछि, मुदा समाजक एकटा वर्ग स्वयं केँ उपेक्षित अथवा असुरक्षित महसूस करए लगैत अछि, तखन ओ धारणा धीरे-धीरे जनाक्रोशक रूप धारण कऽ लैत अछि।

एहि बीच एकटा प्रतीक चुपचाप अपन जगह बनबैत रहल—झालमुड़ी।

झालमुड़ीक प्रत्येक सामग्री बंगालक बदलैत राजनीतिक मानसक प्रतीक जेकाँ देखल जा रहल अछि। मुरमुरा समान सामान्य जनता, जे हर परिस्थिति केँ सहज रूपमे स्वीकारैत अछि। मूंगफली समान बंगाली स्वभाव, जे कठिनतम परिस्थितिमे सेहो अपन कुरकुरापन आ जीवटता नहि छोड़ैत। प्याजक परत जेकाँ एक-एक कऽ खुलैत घटनाक्रम, जे चुनावी हिंसा सँ प्रशासनिक सवाल धरि जनता केँ सोचबाक लेल बाध्य कएलक।

हरी मिर्च समान तीखापन, जे वर्षों सँ जमा असंतोषक प्रतीक बनल। नमक समान रोजमर्रा केर समस्या—कम हो तऽ स्वाद फीका, बेसी हो तऽ असहनीय। आ सरसों तेल जेकाँ बंगालक मौलिक सांस्कृतिक सुगंध, जे अपन पहचान केँ सबसे अलग बनबैत अछि।

राजनीतिक हलकामे चर्चा अछि जे जखन प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आम लोकसभक बीच बैसि कऽ झालमुड़ी खएलनि, तखन ई केवल नाश्ता नहि रहल, बल्कि जुड़ावक प्रतीक बनि गेल। ई दृश्य मानो कहि रहल छल—“जे स्थानीय अछि, से राष्ट्रीय सेहो भऽ सकैत अछि।”

एक दिस प्रतीकक माध्यम सँ संवाद स्थापित करबाक प्रयास छल, तँ दोसर दिस शासन पर संवादक स्थान पर टकरावक आरोप लगैत रहल।

आखिरकार चुनाव परिणामक संग जनता अपन फैसला देलक। जे ठाम पहिने जीतक खुशीमे रसगुल्ला बाँटल जाइत छल, ओतय एहि बेर झालमुड़ी बाँटल गेल।

मानो प्रत्येक कौर एक संदेश दऽ रहल छल—
“मीठ वादाक समय समाप्त भऽ गेल, आब तीखा अनुभव बोलत।”

विश्लेषकक अनुसार पश्चिम बंगालक चुनाव परिणाम केवल व्यक्तिविशेष पर प्रहार नहि, बल्कि ओहि राजनीतिक प्रवृत्ति पर प्रतिक्रिया अछि जतय सत्ता धीरे-धीरे अपन मूल सँ कटए लगैत अछि।

लोकतंत्रमे जखन शासन संतुलन खोबैछ, तखन जनता अपन निर्णय सँ संतुलन बहाल करैत अछि। एहि बेर बंगालक जनताए मिठासक बनावटी भाषा नहि, बल्कि झालमुड़ीक तीखी आ स्पष्ट प्रतिक्रियाक माध्यम सँ अपन निर्णय सुनौलक।

पाँचों विधानसभा चुनाव परिणामक बाद देशक विभिन्न भागमे मिष्ठान वितरणक स्थान पर झालमुड़ी बाँटल जाएब सेहो एहि बातक संकेत मानल जा रहल अछि जे पश्चिम बंगालक जनमानसक बदलल मनोदशा आब व्यापक राष्ट्रीय भावना बनैत जा रहल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *