अग्नि-6 स दुनिया मे बढ़त भारतक दबदबा, 10,000 किमी तक मारक क्षमता

नई दिल्ली: अग्नि 6 मिसाइल भारत के महाशक्ति बनबाक दिशा में महत्वपूर्ण उपलब्धि अछि। मानल जाइत अछि जे ई मिसाइल 10,000 किलोमीटर स बेसी दूरी तक मार करबाक क्षमता रखैत अछि आ आधुनिक MIRV तकनीक स लैस रहत। एहि तकनीक के मदद स एकटा मिसाइल एके बेर मे अलग-अलग कतेको लक्ष्य पर हमला क’ सकैत अछि।
रक्षा विशेषज्ञ सभक अनुसार, अग्नि 6 के सफल परीक्षण स देशक परमाणु प्रतिरोधक क्षमता आओर मजबूत भ’ गेल अछि।
रक्षा अनुसंधान एवं विकास संगठन द्वारा विकसित कएल गेल अग्नि-6 भारतक सबसे उन्नत बैलिस्टिक मिसाइल मानल जा रहल अछि। एकर मारक क्षमता 8,000 स 12,000 किलोमीटर तक मानल गेल अछि। अमेरिका, रूस, चीन, फ्रांस आ ब्रिटेन लग’ पहिने स एहन आधुनिक तकनीक मौजूद अछि। अग्नि-6 भारत के वैश्विक सैन्य शक्ति के अग्रिम पंक्ति मे पहुंचा देलक अछि।
विशेषज्ञ सभक कहब अछि जे लंबी दूरी के बैलिस्टिक मिसाइल मात्र सैन्य ताकत के प्रतीक नहि, बल्कि वैश्विक कूटनीति मे सेहो एकर महत्वपूर्ण भूमिका रहैत अछि। अग्नि श्रृंखला पहिने स भारतक रक्षा व्यवस्था के मजबूत आधार रहल अछि, आ अग्नि-6 के एकर सबसे आधुनिक आ शक्तिशाली संस्करण मानल जा रहल अछि।
अग्नि-6 मिसाइल परीक्षण के ‘शक्तिशाली भारत, सुरक्षित भारत’ के रणनीतिक सोच स जोड़ि कए देखल जा रहल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *