
नई दिल्ली। वैदेही फाउंडेशन द्वारा आयोजित वार्षिक आभार ज्ञापन कार्यक्रम 11 मई 2026 कऽ Civil Services Officers Institute मे अत्यंत गरिमामय वातावरणमे सम्पन्न भेल। एहि कार्यक्रममे फाउंडेशनक सहयोगी, सम्मानित अवार्डी, आयोजन समिति सदस्य आ अन्य विशिष्ट अतिथि परिचय-मिलन आ सहभोजमे सहभागी बनलाह।
वैदेही फाउंडेशनक अध्यक्ष श्रीमती कुमकुम झा कहलनि जे ई आयोजन प्रत्येक वर्ष आयोजित कएल जाइत अछि, जाहिक उद्देश्य संस्थासँ जुड़ल सभ सहयोगीक प्रति आभार व्यक्त करब आ आपसी संवादकेँ मजबूत बनायब अछि। एहि अवसर पर देश-विदेशसँ आएल अतिथिसभ कार्यक्रमक गरिमा बढ़ौलनि।
समारोहक मुख्य आकर्षण ऑस्ट्रेलियासँ आएल चार्ल्स थॉमसन रहलाह। भारतीय संस्कृति प्रति हुनकर गहींर निष्ठा आ लगाव उपस्थित लोकसभकेँ विशेष रूपसँ प्रभावित कएलक। वर्ष 1974 मे मात्र 13 वर्षक आयुमे भारत आएल चार्ल्स थॉमसन न केवल भारतक नागरिकता ग्रहण कएलनि, बल्कि भारतीय जीवनशैली आ संस्कृतिकेँ पूर्ण आत्मीयतासँ अपनौलनि।
चार्ल्स थॉमसन फर्राटेदार हिंदी, मैथिली आ भोजपुरी बजैत छथि आ स्वयंकेँ गर्वसँ “गोरा बिहारी” कहैत छथि। अपन संबोधनमे हुनका भारतीय संस्कृति, भाषा आ परंपराक प्रति गहींर सम्मान व्यक्त कएलनि।
कार्यक्रममे वक्तासभ कहलनि जे जतय आइ बहुतो भारतीय पाश्चात्य संस्कृति दिस आकर्षित भऽ रहल छथि, ओतहि चार्ल्स थॉमसन जेकाँ विदेशी नागरिक भारतीय सभ्यता आ मातृभाषाकेँ अपनाकऽ ई संदेश दऽ रहल छथि जे भारतीय संस्कृतिक जड़ि कतेक गहीर आ प्रेरणादायक अछि।
सौहार्दपूर्ण वातावरणमे सम्पन्न भेल ई समारोह भारतीय सांस्कृतिक मूल्यक संरक्षण आ प्रसारक संदेश दैत स्मरणीय बनि गेल।