दिल्ली। लोक जनशक्ति पार्टी (राम विलास)क संस्थापक आ पद्म भूषणसँ सम्मानित स्वर्गीय राम विलास पासवानक छठम पुण्यतिथिक अवसरपर आइ दिल्ली स्थित पार्टीक राष्ट्रीय कार्यालय, 71 नॉर्थ एवेन्यूमे श्रद्धांजलि सभाक आयोजन भेल। कार्यक्रममे पार्टीक प्रधान महासचिव अब्दुल खालिकक गरिमामयी उपस्थिति रहल। एहि अवसरपर दिल्ली प्रदेश प्रभारी प्रणब कुमार, प्रदेश उपाध्यक्ष अनुपम झा, डॉ. आशु चौहान, प्रदेश उपाध्यक्ष रोहन चौधरी सहित दिल्ली प्रदेशक अनेक वरिष्ठ पदाधिकारी आ कार्यकर्ता उपस्थित छलाह।
श्रद्धांजलि सभामे दिल्लीक विभिन्न क्षेत्रसँ पहुँचल पार्टी पदाधिकारी आ कार्यकर्तासभ स्वर्गीय राम विलास पासवानक चित्रपर पुष्प अर्पित कऽ हुनका भावभीन श्रद्धांजलि देलनि। एहि दौरान हुनकर सामाजिक आ राजनीतिक योगदानक स्मरण करैत हुनकर संघर्ष आ जनसेवाक प्रति समर्पणकेँ याद कएल गेल।
श्रद्धांजलि सभाक संग मेडिकल कैंपक आयोजन
कार्यक्रमक दौरान ड्रग इंडियाक तत्वावधानमे मेडिकल कैंपक आयोजन सेहो कएल गेल। कैंपमे लोकक स्वास्थ्य जाँचक संग हुनका निःशुल्क दवाइ उपलब्ध कराओल गेल। एहि पहल माध्यमसँ जनसेवा आ सामाजिक सरोकारक प्रति पार्टीक प्रतिबद्धता सेहो देखल गेल।

पासवानक विचारकेँ जन-जन धरि पहुँचाबयक संकल्प
एहि अवसरपर लोजपा युवा मोर्चाक राष्ट्रीय अध्यक्ष सह दिल्ली प्रदेश प्रभारी प्रणब कुमार आ प्रदेश उपाध्यक्ष अनुपम झा कहलनि जे दिल्ली-एनसीआरमे पार्टी कार्यकर्तासभ स्वर्गीय राम विलास पासवानक संघर्ष आ हुनकर विचारकेँ जन-जन धरि पहुँचाबय लेल लगातार प्रयासरत छथि।
दुनू नेतासभ कहलनि जे स्वर्गीय राम विलास पासवानक विचार आ सामाजिक सरोकारकेँ आगू बढ़बैत संगठनकेँ आरो मजबूत बनेबाक लेल कार्यकर्तासभ निरंतर सक्रिय छथि। हुनकर जनसेवा, सामाजिक न्याय आ कमजोर वर्गक अधिकारक लेल कएल गेल संघर्ष पार्टी कार्यकर्तासभ लेल सदिखन प्रेरणाक स्रोत बनल रहत।
