
नई दिल्ली। मेघालय सरकारक तरफसँ शुक्रदिन नई दिल्ली स्थित मेघालय हाउसमे आगामी नॉर्थ ईस्ट इंडिया इंफ्रास्ट्रक्चर समिट एंड एग्जीबिशन (NEIINFRA) 2026 केर कर्टेन रेज़र कार्यक्रम आयोजित कैल गेल। एहि अवसर पर मेघालयक तेज आर्थिक विकास, आधारभूत संरचना विस्तार आ भारतक विकास यात्रामे पूर्वोत्तर क्षेत्रक बढ़ैत भूमिका पर विशेष जोर देल गेल।
कार्यक्रममे मेघालयक मुख्यमंत्री श्री कॉनराड के. संगमा मुख्य अतिथि रूपमे उपस्थित छलाह, जखनकि केंद्रीय पूर्वोत्तर क्षेत्र विकास मंत्रालय (DoNER) केर सचिव श्री संजय जाजू विशिष्ट अतिथि रहलाह। एहि अवसर पर केंद्रीय खाद्य प्रसंस्करण मंत्रालयक सचिव श्री अविनाश जोशी, मेघालय सरकारक आयुक्त-सह-सचिव आ NEIINFRA आयोजन समिति केर अध्यक्ष श्री संजय गोयल, FINER केर अध्यक्ष श्री बजरंग लोहिया सहित कतेको गणमान्य लोक उपस्थित छलाह।
11 आ 12 जून 2026 केँ शिलांगमे आयोजित होबय बला एहि समिटमे पांच केंद्रीय मंत्री, पूर्वोत्तरक सभ राज्यक मुख्यमंत्री, नीति निर्माता, निवेशक, इंफ्रास्ट्रक्चर डेवलपर, वित्तीय संस्थान आ उद्योग जगतक प्रतिनिधिक भाग लेबाक संभावना अछि। समिटमे कनेक्टिविटी, निवेश आ क्षेत्रीय विकास पर विस्तृत चर्चा होएत।
मुख्यमंत्री कॉनराड के. संगमा कहलनि जे बीतल पांच वर्षमे मेघालयक अर्थव्यवस्था दू गुना भ’ गेल अछि, जखनकि पूंजी निवेश 2018 केर तुलना मे चारि गुना बढ़ल अछि। हुनका अनुसार, मेघालय देशक सभसँ तेज गति सँ बढ़ैत अर्थव्यवस्थामे सँ एक अछि आ लगातार तीन-चारि वर्षसँ स्थिर विकास दर बनौने अछि, जे निवेशक सभक लेल भरोसाक संकेत अछि।
ओ कहलनि जे मेघालय इंडस्ट्रियल प्रमोशन पॉलिसी अंतर्गत राज्य सरकार निवेशक सभकेँ व्यापक प्रोत्साहन द’ रहल अछि। संगहि मेघालयक उद्यमिता इकोसिस्टम छोट राज्य सभमे सर्वश्रेष्ठ बनि रहल अछि।
मुख्यमंत्री मेघालयक उभरैत IT सेक्टर पर प्रकाश दैत कहलनि जे राज्यक पहिल IT पार्क पूर्ण रूपसँ भरि गेल अछि, जखनकि दोसर IT पार्ककेँ राष्ट्रीय आ वैश्विक उद्योग जगतसँ जबरदस्त प्रतिक्रिया भेटल अछि। युवासभ लेल नव अवसर सृजित करबाक लेल राज्य IT इंफ्रास्ट्रक्चर विस्तार पर तेजी सँ काज क’ रहल अछि।
DoNER सचिव संजय जाजू मेघालयक उपलब्धिक सराहना करैत कहलनि जे केंद्र सरकार पूर्वोत्तरमे इंफ्रास्ट्रक्चर आधारित विकास आ क्षेत्रीय एकीकरण लेल लगातार सहयोग क’ रहल अछि। ओ पूर्वोत्तरकेँ “अष्टलक्ष्मी” कहैत कहलनि जे ई क्षेत्र भारतक विकास दृष्टिक केंद्र बनि चुकल अछि।
उल्लेखनीय अछि जे महामारीक बाद लगातार तीन वर्ष धरि वास्तविक GSDP मे लगभग 10 प्रतिशत वृद्धि दर्ज करनिहार मेघालय देशक एकमात्र राज्य अछि। राज्यक अर्थव्यवस्था 2018 मे ₹29,508 करोड़ सँ बढ़ि 2024-25 मे लगभग ₹60,000 करोड़ धरि पहुँच गेल अछि, जखनकि 2032 धरि ₹1.35 लाख करोड़ तक पहुँचाबयक लक्ष्य राखल गेल अछि।
कार्यक्रममे मेघालयक पर्यटन, खेल आ क्रिएटिव इकॉनमी पर सेहो विशेष चर्चा भेल। राज्यक लिविंग रूट ब्रिजेज 2026 लेल UNESCO वर्ल्ड हेरिटेज सूचीमे भारतक एकमात्र नामांकन प्रविष्टि अछि। शिलांग देशक “म्यूजिक कैपिटल” रूपमे अपन पहचान मजबूत क’ रहल अछि, आ मेघालय 2027 मे 39म राष्ट्रीय खेल केर मेजबानी करत।
समिटमे केंद्रीय मंत्री नितिन गडकरी, ज्योतिरादित्य सिंधिया, किंजरापु राम मोहन नायडू, सर्बानंद सोनोवाल आ गजेंद्र सिंह शेखावत केर शामिल होबाक संभावना अछि।
केंद्रीय खाद्य प्रसंस्करण मंत्रालयक सचिव अविनाश जोशी कहलनि जे ई समिट हितधारक सभ लेल “बेहद पैघ अवसर” साबित होएत। ओ कहलनि जे मंत्रालय मेगा फूड पार्क योजना, MSME फूड प्रोसेसिंग इकाइ, स्टार्टअप आ इन्क्यूबेशन माध्यमसँ पूर्वोत्तरकेँ मजबूत समर्थन द’ रहल अछि।
NEIINFRA आयोजन समिति केर अध्यक्ष संजय गोयल कहलनि जे कर्टेन रेज़रमे भेटल मजबूत सहभागिता पूर्वोत्तर प्रति बढ़ैत राष्ट्रीय रुचिक प्रमाण अछि।
FINER केर अध्यक्ष बजरंग लोहिया कहलनि जे पूर्वोत्तरक आठो राज्यकेँ एक मंच पर आनबाक पहल मुख्यमंत्री कॉनराड संगमा केर दूरदर्शी नेतृत्वक परिचायक अछि।
FINER आ Build India Foundation द्वारा विभिन्न केंद्रीय मंत्रालय आ सेक्टोरल साझेदारक सहयोगसँ आयोजित NEIINFRA 2026 पूर्वोत्तर भारतक इंफ्रास्ट्रक्चर आ निवेश संभावनाक प्रदर्शन लेल एक महत्वपूर्ण राष्ट्रीय मंच साबित होएबाक उम्मीद अछि।