साकेतमे दोसर दिल्ली सिटी स्टोरक उद्घाटनसँ IKEA दिल्लीमे अपन विस्तार कएलक

30 हजार वर्गफुटमे बनल नवका स्टोरसँ दक्षिण आ मध्य दिल्लीक ग्राहकसभकेँ भेटत बेहतर खरीदारी अनुभव

नई दिल्ली, 21 जुलाई 2026: वैश्विक फर्नीचर आ होम फर्निशिंग ब्रांड IKEA इंडिया 30 जुलाई 2026 केँ डीएलएफ एवेन्यू, साकेत मे दिल्लीक अपन दोसर सिटी स्टोर खोलबाक घोषणा कएलक अछि। पश्चिमी दिल्लीक पहिल स्टोर आ ई-कॉमर्स सेवाकेँ भेटल उत्साहजनक प्रतिक्रिया केँ देखते कंपनी आब राजधानीमे अपन पहुँच आर बढ़ा रहल अछि।

लगभग 30,000 वर्गफुट (2,800 वर्गमीटर) मे फैलल ई नवका स्टोर दक्षिण दिल्ली, मध्य दिल्ली आ आसपासक इलाकाक ग्राहकसभकेँ सुविधाजनक खरीदारीक अनुभव देत। एतय ग्राहक करीब 3,000 उत्पाद देख आ खरीद सकैत छथि, जाहिमे 1,400 उत्पाद तुरन्त संग लऽ जाए योग्य उपलब्ध रहत। एकर अतिरिक्त 6,900 सँ बेसी उत्पाद IKEA केर वेबसाइट, मोबाइल ऐप आ Shop by Phone सेवाक माध्यमसँ ऑर्डर कएल जा सकैत अछि।

IKEA इंडिया केर मुख्य कार्यकारी अधिकारी (CEO) पैट्रिक एंटोनी कहलनि जे साकेत आ डीएलएफ एवेन्यू IKEA लेल स्वाभाविक रूपसँ उपयुक्त स्थान अछि। हुनकर कहब छल जे दिल्लीमे दोसर सिटी स्टोर खुललासँ ग्राहकसभ लेल अपन बजट आ जीवनशैलीक अनुसार घर सजाबय लेल बेहतर विकल्प चुननाय आर आसान भऽ जाएत। कंपनीक टीम दक्षिण दिल्लीक बहुतो घरक अध्ययन कए स्थानीय लोकनिक आवश्यकता आ जीवनशैली केँ बुझि एहि स्टोरक डिजाइन तैयार कएलक अछि।

डीएलएफ रिटेल केर ग्रुप एग्जीक्यूटिव डायरेक्टर आ DCCDL केर पूर्णकालिक निदेशक पुष्पा बेक्टर कहलनि जे IKEA केर आगमन डीएलएफ एवेन्यू लेल महत्वपूर्ण उपलब्धि अछि। एहि सँ ग्राहकसभकेँ विश्वस्तरीय ब्रांड, खरीदारी, स्वादिष्ट भोजन आ मनोरंजनक सुविधा एकहि स्थान पर भेटत।

ई स्टोर दिल्ली-एनसीआरमे IKEA केर बढ़ैत लोकप्रियताक आधार पर विकसित कएल गेल अछि। क्षेत्रमे आब 3 लाख सँ बेसी IKEA Family सदस्य जुड़ि चुकल छथि। स्टोरमे संयुक्त परिवार, आधुनिक अपार्टमेंट आ छोट शहरी घरसभक जरूरतकेँ ध्यानमे राखि प्रेरणादायक रूम सेटअप आ स्मार्ट होम सॉल्यूशन तैयार कएल गेल अछि।

ग्राहकसभ एतय होम प्लानिंग, इंटीरियर सलाह, डिलीवरी, असेंबलीइंस्टॉलेशन जेकाँ सेवाक लाभ सेहो उठा सकैत छथि। खरीदारीक बाद ग्राहक IKEA Café मे लोकप्रिय स्वीडिश व्यंजन आ स्थानीय स्वादक आनंद सेहो लऽ सकैत छथि।

कंपनीक अनुसार दक्षिण दिल्लीमे आब लोक अपन घरकेँ केवल सजाबैत नहि छथि, बल्कि समय-समय पर बदलैत जरूरतक अनुसार अपडेट सेहो करैत छथि। एहि कारण सँ बहुउपयोगी फर्नीचर, स्मार्ट स्टोरेज समाधान, प्राकृतिक सामग्री आ आधुनिक डिजाइनक मांग तेजी सँ बढ़ि रहल अछि। साकेत सिटी स्टोर विशेष रूप सँ एहि बदलैत जरूरतकेँ ध्यानमे राखि तैयार कएल गेल अछि।

उल्लेखनीय अछि जे IKEA वर्ष 2025 मे ई-कॉमर्सक माध्यमसँ दिल्ली-एनसीआरमे अपन सेवा शुरू कएने छल। वर्तमानमे ग्राहक डिजिटल प्लेटफॉर्मक संग दिल्लीक दुनू सिटी स्टोर आ गुरुग्राम स्थित सेंट्रल डिस्ट्रीब्यूशन सेंटरक सुविधाक लाभ उठा रहल छथि। कंपनी भविष्यमे गुरुग्राम आ नोएडामे बड़का फॉर्मेट स्टोर विकसित कए दिल्ली-एनसीआरमे अपन दीर्घकालिक निवेश आर मजबूत करबाक योजना पर काज कऽ रहल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *